16 हम माकेडोनिया परदेस जाइबेर तोरासबसे भेटघाट करबौ आ माकेडोनियासे घुइमके आबैतो काल तोरासबलग एबौ आ ओतेसे यहुदिया परदेस जाइबेर तुसब हमर लेल बेबस्था मिलाइबिही कैहके हम चाहैछेलियै।
जब जाइबला समय आइबगेलै तब हमसब बिदा भ्याके आपन रस्तामे अगा बरहलियै। चेलासब आपन घरबाली आ बाल-बच्चाकेसङे हमरासबके अरियातैले नगर बाहरतक एलै। हमसब समुन्दरके पखामे ठेङहुनिया द्याके परथना करलियै।
एन्टिओखिया मन्डलीके सब बिस्बासीसबके ओतेसे जाइले छुट्टी देल्कै। उसब फोनिके आ सामरिया परदेस हैतगेलै आ ओतेका बिस्बासीसब कनङके गैर-यहुदीसब परभुके बिस्बास करल्कै से बातसब बिस्तारमे सुनाइल्कै। यि बात सुइनके ओतेका बिस्बासीसब बहुते खुसी भेलै।
कथिलेत अखैया आ माकेडोनिया परदेसमे भेल मन्डलीसब यरुसलेमके गरिब बिस्बासीसबके रुपैया-पैसा सहायता करैले इक्छा करनेछै।
अहैलेल कोइ नै ओकरा अपमान करे। महज सान्तीसे ओकरा आपन यातरामे पठ्यादहै आ उ हमरलग आबे। कथिलेकी भाइसबसङे एतै कैहके हम ओकर बाट ताकैचियै।