11 तुसब परथनासे हमरासबके सहायता करेपरतौ। अहिनङ बहौत लोकके परथनाके उतरके रुपमे हमसब जे आसिस पाबनेचियै, तकर लेल बहुतो लोक परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइतै।
कथिलेत हमरा थाहछै, कि तोरासबके परथनासे आ येसु खिरिस्टके आत्माके मदतसे हम छुटकरा पाब्बै।
यि सब तोरेसबके हितके लेल भेल छै, कथिलेकी जतेक बहुत लोकसब परमेस्वरके अनुगरह पाबतै ओतेक बहुत परमेस्वरके महिमाके लेल ओकरा धन्यबाद दैबला काम हेतै।
पतरुस जहलमे छेलै महज ओकरलेल मन्डलीके सबकोइ गम्भीर भ्याके परमेस्वरसे निरन्तर परथना कैररहल छेलै।
खिरिस्टके रहसके बात लोकसबके परचार करैले परमेस्वर केबार उघाइरदेबे कैहके हमरासबके लेल सेहो परथना कर। अहै रहसके परचार करैके कारनसे हम जहलमे परल चियै।
हमरासबके लेल निरन्तर परथना करैतरह। हमरासबके बिस्बास छै कि, हमरासबके बिबेक सुधछै कथिलेकी हमसब सबकाम इमान्दारसे करैले चाहैचियै।
दोसर बात यि चियै कि हमर लेल एकटा कोठली तयार कैरके राखने रहिये, कथिलेकी तोहर परथनाके कारनसे हम्हु तोहर लग आबैके आसा करनेचियै।
अन्तमे हमर भाइसब, हमरासबके लेल परथना करैतरह, ताकि परभुके बचन तोरासबके बिचमे फैलल जखा जल्दीसे फैले आ अकर आदरकेसाथ सुइकार हेबे।
भाइसब, हमरोसबके लेल परथना करैतरह।
परमेस्वरके परसस्त अनुगरह तोरासबमे भेलाके कारनसे उसब मन खोइलके तोरासबके लेल परथना करतौ।