19 एहेन कैरके उसब आपन लेल साँचोके धनसम्पती जम्मा करेसक्तै, जे धन आबैबला दिनके लेल ठोस जगके रुपमे काम लाग्तै। ताकि उसब उ जिबन पाबे जे जिबन सत जिबन चियै।
बिस्बासके उतम लराइ लर। अनन्त जिबनके पकरने रह, कथिलेकी यह्या जिबनके लेल परमेस्वर तोरा बोलेल्कौ आ अहैके लेल तु बहुतो गोराके अगा आपन असल साक्छी देने चिही।
महज तैयो परमेस्वरके आपनेसे बनेल्हा जग सबदिन अटल छै। ओइ जगमे एहेन लिखल छै: “परभु आपन लोकसबके चिन्हैछै” आ “परभुके नाम लैबला सब गोरा खराब कामसे दुर रहे परतै।”
स्वरगमे तोरासबके खातिर सैतके राखल उतराधिकार कहियो नास नै हैबला, नै सरैबला आ नै मुरझाइबला जखाछै।
हम तोरासबके कहैचियौ, आपन खातिर दुनियाके धनसे सङीसाथी बना, जब उ धन ओराइतौ, तब उसब तोरासबके स्वरगमे स्वागत करतौ।”
ओहैसे स्वरगके इनाम जितैके बिचारसे लक्छ दिसन अगा बरहैचियै। अकरे लेल परमेस्वर हमरा खिरिस्ट येसुसे अनन्त जिबनमे बोलाइनेछै।
तुसब बिस्बास करलासे खिरिस्ट तोरासबके हिरदयमे बास करतौ आ ओकर परेममे तोरासबके जैर बरहैत आ बलगर हैत ज्या कैहके हम परथना करैचियौ।
यि बात सुइनके येसु ओकरा कहल्कै, “तोहरमे एकटा औरो चिजके कमि छौ। तोहर सङे भेल्हा सब धन-समपैत बेचके गरिबसबके बाइट दहै, तब स्वरगमे तोरा बहुत धन हेतौ आ हमर पछा लाग।”
तुसब आपन धन बेचके गरिबसबके दहै। आपन खातिर कहियो नै फाटैबला बटुवा तैयार कर। तहिनङे कहियो नास नै हैबला धन स्वरगमे जमा कर। जते चोर नै एतौ आ नै किरो लागतौ।
येसु ओकरा कहल्कै, “यदि तु साँचेके असल हैले चाहैचिही त, तोहरसङे भेल सब धन-सम्पती बेचके गरिबसबके बाइट दहै तब तोरा स्वरगमे धन मिल्तौ। तब आइबके हमर पछा लाग।”
खिरिस्ट येसुमे नै त खतनाके नै त बेखतना कोनो मोल छै। महज एकेटा बातके मोल छै, उ यि चियै, अपनासब बिस्बासके कारन एक-दोसरके परेम करैचियै।
“कोनो सहरमे परमेस्वरके डर नै मानैबला आ लोकसबके वास्ता नै करैबला एकटा नियायधिस छेलै।
महज अबराहम ओकरा कहल्कै, ‘बेटा याद कर त, तु आपन जिन्गीमे सबचिज असले-असलसे भोग बिलास करलिही महज लाजरस दुखे-दुख काटल्कै। आब उ अते सुखमे छै आ तु दुखमे चिही।
हम लक्छमे पहिनेसे पुइग गेल चियै, या हम पहिनेसे सिध भेलचियै कैहके नै कहैचियौ, महज यिसब पकरैके लेल अगा बैढरहल चियै, जै बातके लेल खिरिस्ट हमरा चुनल्कै।
हम पावल, परमेस्वरके इक्छासे येसु खिरिस्टमे चुनल परेरित चियै। येसु खिरिस्टमे भेल अनन्त जिबनके परतिग्या सुनाइके लेल परमेस्वर हमरा पठाइने छै।