1 मालिकके अधिनमे रहैबला सब दास आपन मालिकके पुरा आदर करैले परतै, ताकि कोइ नै परमेस्वरके नाम आ अपनासबके देल सिक्छाके बदनाम करे सक्तै।
तब उसब आपने आपके बसमे राखैबला, सतबरती, दयालु आ आपन घरबलाके अधिनमे रैहके घर परिबारके सब बेबहार चलाइतै जैके कारनसे कोइयो नै परमेस्वरके बचनके बदनाम करे सक्तै।
पबितर धरमसास्तरमे अनङ लिखल छै, “तु यहुदीसबके कारनसे गैर-यहुदीसब परमेस्वरके अनादर करैछै।”
महज नर्म भ्याके आदरकेसाथ सुध बिबेकसे ओइसबके जबाफ दहै। यदि तुसब एहेन करबिही त, खिरिस्टमे भेल तोरासबके असल चालचलन देखके तोरा बदनाम करैबला आपने लाजमे परतै।
परमेस्वरमे बिस्बास नै करैबला लोकसबके बिचमे तोरासबके चालचलन निक हेबे। उसब तोरासबके खराब काम करैबला कैहके दोख लगाइतौ तैयो तोरासबके असल काम देखे आ परमेस्वर नियाय करैले आबैतखिना ओकर महिमा करे।
खिरिस्ट अपनासबके स्वतन्तर करने छै। तहैलेल बौकार भ्याके खरा हो आ फेनसे बेबस्थाके दास हैले नै परे।
तहै खातिर बिस्बासीके कन्हामे यि जुवा राइखके कथिले परमेस्वरके परिक्छा करैचिही? यि जुवा नै त अपनासबके पिता-पुरखा नै त आपनेसब बोके सक्लियै।
उसब जबाब देल्कै, “हमरासबके कप्तान करनेलियस पठाइनेछै। उ धरमी आ परमेस्वरके डर मानैबला लोक चियै। ओकरा यहुदियो जातीसब आदर करैछै। एकटा स्वरगदुतसे आदेस मिलल छै जे तोरा आपने घरमे बजाके तोहरसे उपदेस सुन्तौ।”
जब ओकरसङे बोलैबला स्वरगदुत चैलगेलै, तब करनेलियस आपन दुइ गोरा नोकर आ एकटा आपन भक्त सिपाहीके बोलाइल्कै।
एक दिन येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “पाप करैबला बातसब अबस आबैछै, महज धिक्कार ओइ लोकके, जकरसे एहेन बात आबैछै!
कथिलेत हमर जुवा असान छै आ जे भारी हम बोकाइबौ उ हलुक छै।”
अहैलेल हम जबान मसोमातनीसबके फेनसे बियाह कैरके बेटा-बेटी जलमाबे आ घर गिरहस्ती चलाबे कैहके सल्लाह दैचियै। ओहेन करलासे डाह करैबलासबके निन्दा करैके मौका नै भेटतै।
तुसब ककरो ठेस लागैबला काम नै कर, चाहे यहुदीके, चाहे गिरिकके या चाहे परमेस्वरके मन्डलीके हेबे।
तुसब कथी देखे गेल छेल्ही? कि कोनो अगमबक्ताके देखैले? हँ हम तोरासबके कहैचियौ, अगमबक्तोसे बरका लोकके देखलिही।