5 जै मसोमातनीके देखभाल करैबला कोइ नै छै, से मसोमातनी त आपन भरोसा परमेस्वरमे राखने रहैछै। उ दिन रात परमेस्वरमे बिन्तीभाव करैत रहैछै।
जे मसोमातनीके कोइ नै छै, ओकरासबके देखभाल कर।
तब बिधुवे रैहके चौरासी बरिस बिताइने रहै। उ परमेस्वरके मन्दिरेमे उपास आ परथना कैरके रातदिन भक्तीसाथ परमेस्वरके सेबा करैतरहै।
कथिलेकी परमेस्वरमे भरोसा करैबाली पहिनेके पबितर घरबालीसब आपन-आपन घरबलासबके अधिनमे रैहके यह्या किसिमसे अपनाके सिङगार-पेटार करैछेलै।
यदी कोनो खिरिस्टमे बिस्बास करैबला जनिके घरमे मसोमातनीसब छै त, उ ओइसबके मदत करे। ओहेन करलासे ओकरसबके भार मन्डलीके नै परतै आ जे साँचोके मसोमातनीसब छै ओइसबके मन्डली मदत करेसक्तै।
तुसब जिबनके बारेमे चिन्ता नै कर कैहके हमर इक्छाछै। बियाह नै करल लोक परभुके कनङके खुस करबै तैमे धियान लगाइछै।
तकरबाद चेलासबके सबदिन परथना करे आ निरास नै हेबे कैहके येसु ओइसबके एकटा खिसा कहल्कै,
तुसब पबितर आत्माके सक्तीमे हर बखत परमेस्वरसे परथना कर। होसियार आ लगनसिल भ्याके हरदम खिरिस्टके पबितर जनसबके खातिर परथना करैतरह।
कि परमेस्वरके आपन जनसब रात-दिन ओकरा पुकारतै त ओइसबके नियाइ नै करतै? कि उ आपन लोकसबके सहायता करैले देर करतै त?
एहेन लोकके मन दुइ दिसन हैछै। तहिनङे कुमाइर छौरी देह आ आत्मा दुनु कनङके पबितर राखबै कैहके परभुके बारेमे धियान लगाइछै। महज बियाह करल जनि आपन घरबलाके कनङके खुस राखबै कैहके सन्सारके बातसबमे धियान दैछै।
हमर बिस्बाससे तोरासबके आ तोरासबके बिस्बाससे हमरा उत्साह मिले कैहके हमर इक्छाछै।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वर अपनासबके अनुगरह कैरके परेरित बनेल्कै। सब जातीके लोकसब बिस्बास करे आ ओकर कहल बात माने कैहके हमरा ओकर नाउमे पठाइनेछै।
ओह्या बचन पुरा हेबे तै आसमे हमरासबके बारहो कुल पुरे मनसे दिन रात भक्ति करैत आइबरहल छै। हे रजा अगरिपास, हम्हु एह्या आसा राखलाके कारन यहुदीसब हमरा दोस लगेने छै।
जब बिस्बासीसबके संख्या बरहै छेलै, तब हिबरुसबके बिरोधमे गिरिक यहुदीसब बताबती करे लाग्लै, कथिलेत दिन-दिने खाइबला चिजसब बाँटै बखत ओइसबके बिधवासब आबसेक्ता बमौजी नै पाबैछेलै।
तब पतरुस उइठके ओइसबसङे गेलै। ओते पहुचलाके बाद उसब ओकरा उपरका कोठलीमे ल्यागेलै। बिधवासब ओकर लगमे ठार भ्याके काने लाग्लै आ डोरकसमे ओइसबसङे रहैत बखत बन्याल कुरता आ औरो बस्तरसब देखेल्कै।
पतरुस तबिताके हाथ पकैरके उठेल्कै। तब बिस्बासीसब आ बिधुवासबके बोलाइल्कै आ ओइसबके जिते छै कैहके देखेल्कै।
कोनो बातके चिन्ता नै कर, महज खाचो परल चिजके लेल परमेस्वरमे परथना कर आ ओकर करल सब असल चिजके लेल धन्यबाद दहै।
आब सबसे पहिने अनुरोध करैचियौ कि सब लोकसबके लेल बिन्ती-भाव, परथना, अन्तरबिन्ती आ धन्यबाद परमेस्वरमे चरहा।
हम तोरा आपन परथनामे याद करैचियौ आ हम हरदम परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै। जनङ हमर पुरखासब परमेस्वरके सेबा-टहल करने छेलै, तैहनङ हम्हु सुध बिबेकसे करैचियै।