3 जे मसोमातनीके कोइ नै छै, ओकरासबके देखभाल कर।
जब बिस्बासीसबके संख्या बरहै छेलै, तब हिबरुसबके बिरोधमे गिरिक यहुदीसब बताबती करे लाग्लै, कथिलेत दिन-दिने खाइबला चिजसब बाँटै बखत ओइसबके बिधवासब आबसेक्ता बमौजी नै पाबैछेलै।
रजा आ सब लोकसबके आदर कर। खिरिस्टमे बिस्बास करैबलासबके परेम कर। परमेस्वरके डर मान।
तहिनङे घरबलासब, आपन-आपन घरबालीसबसङे बिचारसिल भ्याके रह आ ओइसबके अबला माइनके आदर कर। मनमे याद राख कि तोहरे जखा अनन्त जिबनके बरदानमे सहभागी छौ। अनङ करबिही त तोरासबके परथनामे कोनो किसिमके बाधा नै परतौ।
परमेस्वर पिताके मनपरैबला साँचोके धरम-करम एह्या चियै दुखमे परल बिधुवा आ टुगर-टापरसबके देखभाल करनाइ आ सन्सारके अधलाह बातसे अलग रहनाइ चियै।
हमसब लोकसबसे आदर नै खोजलियै, नै त तोरासबसे आ नै आन गोरासे। हमसब खिरिस्टके परेरित भेलाके कारन तुसब हमरासबके आदर कर कैहके कहेसक्तीयौ।
तब पतरुस उइठके ओइसबसङे गेलै। ओते पहुचलाके बाद उसब ओकरा उपरका कोठलीमे ल्यागेलै। बिधवासब ओकर लगमे ठार भ्याके काने लाग्लै आ डोरकसमे ओइसबसङे रहैत बखत बन्याल कुरता आ औरो बस्तरसब देखेल्कै।
जब येसु गामके दुवारमे पुग्लै, तब बिधुवाके एकलौता बेटाके लहास बोइकके कठियारी जाइ छेलै। ओइ बिधुवासङे गामके बहुतरा लोकसब छेलै।
तब बिधुवे रैहके चौरासी बरिस बिताइने रहै। उ परमेस्वरके मन्दिरेमे उपास आ परथना कैरके रातदिन भक्तीसाथ परमेस्वरके सेबा करैतरहै।
“तोहे धरमगुरुसबके आ फरिसीसबके धिक्कार! तुसब कपटी चिही! कथिलेत तुसब स्वरगके राजके केबार खोलैबला कुजी त लेल्ही, महज नै अपने ढुकलिही नै दोसरके ढुकैले देल्ही।
ओकरा आपन माँ-बाबुके सेबा करैके कोनो जरुरी नै परतै।’ अहिनङे तुसब आपन रितिरिबाजके खातिर परमेस्वरके बचनके बेकाम कैरदेने चिही।
ओहिनङके बुढ जनिसबके आपन माँ जखा आ छोटसबके पबितर मनसे बहिन जखा बेबहार कर।
नथानेलेके आपन दिसन आबैत देखके येसु कहल्कै, “देख, उ पक्के इजराएली चियै, ओकरमे कोनो छलकपट नै छै।”
पतरुस तबिताके हाथ पकैरके उठेल्कै। तब बिस्बासीसब आ बिधुवासबके बोलाइल्कै आ ओइसबके जिते छै कैहके देखेल्कै।