25 तहिनङ कतहेक लोकके करल असल काम परस्टे देखा परैछै आ परस्ट नहियो देखा परैबला असल काम एक न एक दिन अबस्य देखा परतै।
“कोइ इजोत बाइरके ढकियासे नै झापैछै नै त घोसाइरके राखैछै, बरु भितर आबैबलासब इजोत देखतै कैहके डैठमे राखैछै।
देखभाल करैबला अगुवा मन्डलीएटाके भितरे मातर नै महज उ मन्डलीके बाहरो इजत-मान भेटल लोक हैकेचाही। तब मातरे ओकरा बिस्बासी लोकसब मान करतै आ सैतानके जालमे नै परतै।
“दमस्कसमे हननिया नामके एक गोरे हमरसे भेटघाट करैले एलै। उ मोसाके नियमके पालन करैबला धरमी लोक रहै आ दमस्कसमे रहैबला सब यहुदीसब ओकरा बहुत आदर करैतरहै।
उसब जबाब देल्कै, “हमरासबके कप्तान करनेलियस पठाइनेछै। उ धरमी आ परमेस्वरके डर मानैबला लोक चियै। ओकरा यहुदियो जातीसब आदर करैछै। एकटा स्वरगदुतसे आदेस मिलल छै जे तोरा आपने घरमे बजाके तोहरसे उपदेस सुन्तौ।”
योप्पा सहरमे एकटा तबिता नामके जनी बिस्बासी रहै, जकरा गिरिक भसामे “डोरकस” कहैछेलै। (जकर मतलब हरिनी चियै।) उ असल काम आ गरिबसबके दान द्याके हरदम सहयोग करैछेलै।
अहिनङ तोरोसबके इजोत लोकसबके बिचमे चम्के, जहिनङ लोकसब तोरासबके असल काम देखके, स्वरगमे रहैबला पिताके परसन्सा करे।”
परमेस्वरके महिमा आ परसन्साके लेल येसु खिरिस्टसे आबैबला धारमिकताके फलसे तुसब भरिभराउ हो।
तब स्वरगसे हम एकटा एहेन अबाज सुनलियै, “यि बात लिख: आबसे परभुके सेबा करैत-करैत मरैबला लोक धन्यके चियै।” पबितर आत्मा अनङ जबाफ देल्कै, “साँचेके! उसब आपन आपन मेहनतसे आराम पाबतै, कथिलेत उसब आपन करल काम अनुसार इनाम पाबतै।”