15 कथिलेकी कतहेक कम उमेरके मसोमातनीसब पहिनेसे बहैकके सैतानके रस्ता पर चैलगेलछै।
बहुतो गोरे ओकरसबके निरलज चालचलन अपनाइतै आ ओइसबके कारन सत सिक्छाके बदनाम करतै।
उसब अपनासबके लोक नै रहै, तहै खातिर अपनासबके छोइरके चैलगेलै। यदि उसब अपनासबके लोकसब रहतियै त आपनेसबके सङे रहतियै। उसब अपनासबके नै चियौ से बात परस्टे छै से देखाइले उसब अपनासबके छोइरके चैलगेलै।
कथिलेत डेमास सन्सारके मोहमे फैसके हमरा छोइरदेल्कै आ थेसलोनिकेमे चैलगेलै। केरसेन्स गलातियामे आ तितस दलमातियामे गेलछै।
ओइसबमे परैबला हुमेनियस आ अलेक्जेन्डर चियै। उसब परमेस्वरके बदनामी करैले छोरे कैहके हम ओकरासबके सैतानके हाथमे सोइप देलियै।
अहिनङे उ अजेगर, जे पहिन्का साँप चियै, जकर नाम दुस्ट आत्मा आ सैतान सेहो चियै, जे पुरे सन्सारके भरमाके राखने छेलै, ओकरा आ ओकर दुतसबके सङे स्वरगसे पिरथिबीमे फेक्नेछेलै।
पावल सब चिठीसबमे अहिनङे बातसब लिख्नेछै। ओकर लिखल चिठीसबमे कोनो-कोनो बातसब बुझैले कठिनाइ हैछै। बात नै जानैबला लोक आ चनचल लोकसब ओकरा उल्टा पुल्टा अरथ लगाबैछै। उसब पबितर धरमसास्तरके सेहो ओहिने अरथ लगाबैछै। ओहिनाइते उसब आपनेके नासमे पुगाबैछै।
उसब सच बातसे दुर भटकल घुरैछै। लोकसब मैरके जि उठैबला काम पैहने भ्यागेल्छै, कैहके कतहेक लोकके बिस्बासके बिगाइर देने छै।
तोरासबके थाहे छौ कि, एसियामे रहैबला सबगोरे हमरा छोइरके चैलगेलै, तै मेसे फुगेलस आ हरमोगेनस सोहो चियै।
तब येसु फेनो ओकरा जबाब देल्कै, “ऐ सैतान, तु हमर नजरसे दुर भ्याजो! कथिलेत लिखल छै, ‘तु परमपरभु आपन परमेस्वरके गोर लाग आ ओकरेटा सेबा कर।’”