15 हम तोरा कहल यि सब बात एकदमसे पालन कर आ पुरा मन लगाके ओहैमे लागल रह ताकि तोहर करल उन्नती सबकोइ देखे।
अहिनङ तोरोसबके इजोत लोकसबके बिचमे चम्के, जहिनङ लोकसब तोरासबके असल काम देखके, स्वरगमे रहैबला पिताके परसन्सा करे।”
तब अपनासबके परथना आ परमेस्वरके बचनके सिक्छा दैबला काममे पुरा समय लागल रहबै।”
येसु खिरिस्ट अपनासबके सब पापसबसे मुक्तीदैले आ सब खराबिसबसे छुटकारा दैले आपन परान निछावर करल्कै। उ यि चाहल्कै कि हमसब असल काममे उत्सुक हेबी आ ओकर अपने निज लोक हेबेसकी।
यदी तु यि सिक्छा औरो बिस्बासी जनसबके सिखाइबिही त, तु पालन करैत एल सिदान्त आ बिस्बासके बचनमे बौकार भ्याके येसु खिरिस्टके असल सेबक हेब्ही।
हमरासबके आसा करलसे बहौत बेसि उसब देल्कै। उसब पहिने आपनेके परभुमे अरपन करल्कै तरकरबाद परमेस्वरके इक्छा अनुसार आपनेके हमरासबके हाथमे सोइप देल्कै।
भाइसब तोरासबके थाहे छौ, कि स्तिफनासके परिबार अखैयामे बिस्बास करैबलासबमेसे पहिल्का चियै। उसब परमेस्वरके जनसबके सेबामे अपनाके अरपन करने छै।
हमसब जानैचियै कि परभु येसुके जियाइबला हमरोसबके येसु सङे जियाइतै आ वह्या हमरासबके आ तोरासबके आपनलग लजाइतै।
जे बरदान अगुवासब आपन हाथ तोहर उपरमे राइखके अगमबानीसे पाबने छेल्ही, ओकरा पुरा सदउपयोग कर।
तु आपन जिबन आ आपन देल सिक्छाके बारेमे होसियार रह। यि सब करलासे तु आपन जिबन आ तोहर सिक्छा सुनैबलासबके जिबन बचेब्ही।