10 ओहै कारनसे हमसब एकदम मेहनत करैचियै आ हरदम सङघरसमे लागल रहैचियै। कथिलेकी अपनासबके आसा जिबित परमेस्वरमे छै। परमेस्वर सब मानब जातीके आ खास कैरके बिस्बासीके मुक्तीदाता चियै।
सबलोक मुक्ती पाबे आ उसब सत बात बुझे कैहके ओकर इक्छाछै।
उ अपनासबके पापके दन्डसे बचाइके खातिर बलिदान भेलछै आ अपनेसबके खातिर मातरे नै, महज सन्सारमे भेल सबलोकके पापके खातिर भेलछै।
उ सबलोकके छुटकाराके मोल तिरैके लेल अपने-आप बलिदान भेलै। अइ बातके साक्छी परमेस्वर ठिक समयमे देल्कै।
तकर बिहानके युहन्ना येसुके आपन दिसन आबैत देखके कहल्कै, “देख, यि सन्सारके पाप उठाके लजाइबला परमेस्वरके थुमा चियै।
हमसब यि देख्ने चियै आ साक्छी दैचियै कि, परमेस्वर पिता सन्सारके मुक्ती दैबला हैकेलेल आपन बेटाके पठाइने छै।
उसब ओइ जनिके कहल्कै, “अखुन तोरे बात सुइनके मातरे नै, महज हमरासब आपने ओकर उपदेस सुइनके बिस्बास करैचियै। बास्तममे ओह्या सन्सारके मुक्तीदाता चियै से हमसब जानैचियै।”
“हम साँचोके तोरासबके कहैचियौ, जे हमर बचन सुनैछै आ हमरा पठाइबलाके उपर बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। उ नियाइमे नै परतै, महज मिरतुसे पार भ्याके उ जिबनमे परबेस करने छै।
ओहैलेल अपनोसब सहरसे बाहर येसु लग चल आ ओकरे जखा अपनोसब अपमान सह।
ओकरेसे तुसब परमेस्वरमे बिस्बास करलिही, जे ओकरा मरलसे जिबित करल्कै आ ओकरा महिमा देल्कै, तैल्याके तोरासबके आपन बिस्बास आ भरोसा परमेस्वरमे रहे।
मिसर देसके धन-सम्पतीसे त बरु खिरिस्टके लेल निन्दीत हैले उ मुल्यबान सम्पती ठानल्कै। कथिलेकी उ आपन नजर इनाम दिसन लगाइने छेलै।
अइ सन्सारमे धनिक भेल लोकसबके घमन्डी नै बन कैहके आग्या दहै। अनिस्चीत धन सम्पैतमे नै महज सब चिज परसस्तसे आपनसबके भोग करैले दैबला परमेस्वरमे भरोसा कर कैहके ओइसबके आग्या दहै।
यदी हमरा आबैमे देर हेतै त, परमेस्वरके परिबारमे भेल लोकसबके चाल-चलन केहेन रहैके चाही से जाइनले। यि परिबार त जिबित परमेस्वरके मन्डली अरथात सतके खम्हा आ जग चियै।
यि परमेस्वरमे भरोसा राखैत राखैछै। परमेस्वर अकरासे खुसी छै त अखुन बचाबे कथिलेत यि अपनेके परमेस्वरके बेटा कहैत रहै।”
सिमोन पतरुस जबाफ देल्कै, “अहाँ त खिरिस्ट चियै, जिबित परमेस्वरके बेटा।”
महज हम जे चियै, उ परमेस्वरके अनुगरहसे चियै आ हमर उपर करल ओकर अनुगरह बेकार नै भेलै। हम औरो परेरितसबसे बेसि मेहनत करलियै। बास्तममे काम करैबला हम नै, महज हमरसाथमे भेल परमेस्वरके अनुगरहसे काम करनेचियै।
उ अपनासबके मिरतुके मुहसे बचेल्कै आ बचेतै आ ओकरमे फेनसे हमसब बाच्बै कैहके पुरा रुपसे भरोसा करनेचियै।
एहेन परथना करनाइ असल चियै आ अपनासबके मुक्तीदैबला परमेस्वरके एहेने निक लागैछै।