5 कथिलेत आपन घर परिबार असलसे नै चलाबे सकैबला कनङके मन्डलीके देखभाल करे सक्तै?
जहिनङे मन्डली खिरिस्टके अधिनमे छै, तहिनङे घरबालीयोसब, सब बातमे आपन-आपन घरबलासबके अधिनमे रहे।
यि बहौत बरका रहसके बात चियै। हम एह्या बात खिरिस्ट आ मन्डलीके समबन्धमे बोलैचियै।
यदी हमरा आबैमे देर हेतै त, परमेस्वरके परिबारमे भेल लोकसबके चाल-चलन केहेन रहैके चाही से जाइनले। यि परिबार त जिबित परमेस्वरके मन्डली अरथात सतके खम्हा आ जग चियै।
परमेस्वर सब बात खिरिस्टके अधिनमे राइखदेनेछै आ मन्डलीके लेल सब बातके सिर बनाइनेछै।
तैल्याके तोरासबके आपनो आ आपन पुरे जेरके रेखदेख करैतरह। पबितर आत्मा तोरासबके ओइसबके चरबाहा बनाइनेछौ कि तोरासबके परमेस्वरके मन्डलीके रेखदेख कर, जकरा परमेस्वर आपन बेटाके लहुसे किन्नेछै।
तुसब ककरो ठेस लागैबला काम नै कर, चाहे यहुदीके, चाहे गिरिकके या चाहे परमेस्वरके मन्डलीके हेबे।