तोरासबके जिम्मामे देल परमेस्वरके भेरासबके देखभाल कर। यि काम करकापमे पैरके नै महज खुसिसे परमेस्वरके इक्छा बमोजिम आ कोनो पैसा-कौरीके लोभसे नै महज सेबाके मन ल्याके कर।
यि बातसब साँचोके चियै। हम चाहैचियै कि अइ बातसबमे जोर दिय, ताकि जे परमेस्वरमे बिस्बास करने छै उसब असल काममे धियान देबे। कथिलेकी यि सब लोकसबके लेल असल आ फाइदाके बात चियै।