2 रजा आ हाकिमसबके लेल परथना कर ताकि हमसब सुख सान्तीसे परमेस्वरके भक्ति करे आ आदरके जिबन बिताबे सकी।
हमसब तोरासबके कहने छेलियौ तहै बमौजी सान्तीमे जिबन बिताबैके लक्छ राख, आपन आपन काममे लागल रह आ आपने हाथसे कमाइले बेसी से बेसी कोसिस कर।
जम्मे लोकसबसङे मिलके सान्तीमे रह आ पबितर जिबन जियैके कोसिस कर, कथिलेत पबितर नै भ्याके कोइयो नै परमेस्वरके देखैले सक्तै।
सकभर सबकोइसङे मिल-जुइलके रह।
अन्तमे, भाइ-भैयासब, जे बात सत छै, जे बात असल छै, जे बात नियाय संगत छै, जे बात पबितर छै, जे बात परेम योग्य छै, जे बात किरपाके योग्य छै, अरथात जे आदरके योग्य छै आ परसन्साके योग्य छै तैमे मन लगा।
तै खातिर परमेस्वर आ लोकसबके नजरमे हम निरदोस रहैले चाहैचियै।
उसब जबाब देल्कै, “हमरासबके कप्तान करनेलियस पठाइनेछै। उ धरमी आ परमेस्वरके डर मानैबला लोक चियै। ओकरा यहुदियो जातीसब आदर करैछै। एकटा स्वरगदुतसे आदेस मिलल छै जे तोरा आपने घरमे बजाके तोहरसे उपदेस सुन्तौ।”
यरुसलेममे सिमियोन नामके एकटा लोक छेलै। उ इजराएलके बचाबैबला लोकके आसमे रहै आ उ धरम-करम करैबला लोक रहै, पबितर आत्मा ओकरसङे छेलै।
उसब दुनुगोरे परमेस्वरके नजरमे धरमी छेलै आ परमपरभुके सब आग्या आ धारमिक नियमसब मानैछेलै।