1 आब सबसे पहिने अनुरोध करैचियौ कि सब लोकसबके लेल बिन्ती-भाव, परथना, अन्तरबिन्ती आ धन्यबाद परमेस्वरमे चरहा।
भाइ-भैयासब, तोरासबके खातिर हरदम परमेस्वरके धन्यबाद देनाइ जरुरी छै। यि फेर योग्यकेभी चियै, कथिलेत तोरासबके बिस्बास परसस्त बरहैत ज्यारहलछौ आ तोरासबके परेम एक-दोसरमे बैढरहल छौ।
ओहैसे यदि निक हैले चाहैचियै त आपन करल पाप एक-दोसरके अगा सुइकार कर आ एक-दोसरके खातिर परथना कर। धरमी लोकके करल परथनासे परमेस्वर सक्तिसाली आ परभावकारी तबरसे काम करैछै।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके नाममे परमेस्वर पिताके सब बातमे हरदम धन्यबाद दैतरह।
परभुके सेबक लराइ करैबला आ झगरिया नै हैकेचाही, महज सब लोकसबसे मिलजुइलके रहैबला हैकेचाही, दोसरके सिखाबे सकैबला आ सब बात सैहके रहे सकैबला हेबेपरतै।
सबलोक मुक्ती पाबे आ उसब सत बात बुझे कैहके ओकर इक्छाछै।
जब हम तोरासबके याद करैचियौ तब हम आपन परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै।
यह्या हमरासबके इक्छाछै कि तोरासबके यि जोस आखिरतक हेबे आ तोरासबके आसा पुरा हेबे।
उसब ककरो बदनाम नै करे, लराइ-झगरा नै करे महज सब लोकसबसङे मिलजुइल असल बेबहार करे।
कथिलेत परमेस्वरके अनुगरह सब लोकसबके मुक्ती दैले परकट भेल छै।
जै मसोमातनीके देखभाल करैबला कोइ नै छै, से मसोमातनी त आपन भरोसा परमेस्वरमे राखने रहैछै। उ दिन रात परमेस्वरमे बिन्तीभाव करैत रहैछै।
हम जे पाबलियै ओह्या सबसे मुख बिसयके रुपमे तोरासबके सोइप देलियौ, अरथात पबितर धरमसास्तर अनुसार खिरिस्ट अपनासबके पापके खातिर मरलै।
अहैले पहिने अनजानमे करल कामके परमेस्वर धियान नै दैछै। महज आब परमेस्वर सब ठामके लोकसबके ‘आपन-आपन पाप माइनके पस्चाताव करै’ कैहके आग्या देने छै।
जहिना हमसब तोरासबके परेम करैचियौ ओहै तरहसे परभु तोरासबके एक दोसरसङे आ सब लोकसबसङे परेममे औरो बेसीसे बरहाइत रहे कैहके हमसब परथना करैचियै।
परमेस्वरके धन्यबाद हेबे, तुसब एकचोटी पापके दास छेल्ही महज तुसब अखुन आपन परमेस्वरसे सिखाल सिक्छा हिरदयसे पालन करैचिही।
सबसे पहिने, तोरासबके लेल येसु खिरिस्ट दुवारा हम आपन परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइचियै, कथिलेकी खिरिस्टमे करल तोरासबके बिस्बासके बारेमे सारा दुनियामे फैललछै।
ओहैसे तितस पहिनेसे तोरासबके बिचमे सुरु करल भेटी उठाइबला काम पुरा करे परतै कैहके हमसब ओकरा बिन्ती करलियै।
अहै खातिर हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, हम तोरासबके खातिर जे कस्ट भोग्नेचियै उ देखके हार नै मान। यि त तोरासबके खातिर गौरबके बात चियौ।
तुसब पबितर आत्माके सक्तीमे हर बखत परमेस्वरसे परथना कर। होसियार आ लगनसिल भ्याके हरदम खिरिस्टके पबितर जनसबके खातिर परथना करैतरह।
कोनो बातके चिन्ता नै कर, महज खाचो परल चिजके लेल परमेस्वरमे परथना कर आ ओकर करल सब असल चिजके लेल धन्यबाद दहै।