20 ओइसबमे परैबला हुमेनियस आ अलेक्जेन्डर चियै। उसब परमेस्वरके बदनामी करैले छोरे कैहके हम ओकरासबके सैतानके हाथमे सोइप देलियै।
एहेन सिक्छा त भितरे-भितर सैंरते जाइबला घाउ जखा हैछै। एहेन सिक्छा दैबलामेसे हुमेनियस आ फिलेतस चियै।
जब परभु अपनासबके नियाइ करतौ, उ अपनासबके अनुसासनके लेल करतौ, ताकि हमसब सन्सारके लोकसब जखा दोसी नै ठहरबै।
तैयो ओकरा दुस्मन नै मान, महज एकटा भाइ माइनके चेताबनी दहै।
जकरा हम परेम करैचियै, तकरा डाटै चियै आ सजाय द्याके सुधारैचियै। साच्चेके पाप करैले छोर आ हमरलग या।
तखुन्ते भिरके कुछ लोकसब अलेक्जेन्डरके अगारी लाबल्कै, जकरा यहुदीसब खरा करेने छेलै। तब अलेक्जेन्डर हाथसे इसरा करल्कै आ लोकसबके अगा बचाउके लेल कुछ बोलैके इक्छा करल्कै।
हम समुन्दरके बालु उपर ठारभेल छेलियै तकरबाद समुन्दरसे निकैलके आबैत एकटा जानबर हम देखलियै। उ जानबरके दसटा सिङ आ सातटा मुरी छेलै आ सब सिङमे एकटा-एकटा मुकुट छेलै आ ओकर सब मुरीमे परमेस्वरके अपमान करैबला नाम लिखल छेलै।
कथिलेत लोक आपन स्वारथ मातर देखैबला, पैसा-कौरीके लोभ करैबला, आपनके बरका मानैबला, घमन्ड करैबला आ परमेस्वरके बिरोध करैबला हेतै। उसब आपन माँ-बापके बात नै मानैबला, असलो कामके खातिर धन्यबाद नै दैबला आ अपबितर हेतै।
तिमोथी, यि बात तु ओइसबके बात-बातमे झगरा नै कर कैहके परमेस्वरके सामनेमे सम्झा। झगरासे ककरो भलाइ नै हैछै, बरु सुनैबला लोकसबके बिगारैछै।
जब तुसब पुरा रुपसे खिरिस्टके आग्या मानबिही तब आग्या नै मानैबलासबके सजाय दैकेलेल हमसब तैयार हेबै।
लोकसबके भिर देखके यहुदीसब एकदमसे डाह करे लाग्लै। पावल जे बाजैछेलै तै बातके उसब अपमान करैत ओकर बिरोध करे लाग्लै।
हम तोरासबसे दुर भेल बखत यि लिखैचियौ, ताकि तोरासबलग एबौ त परभुके देल अधिकारके करासाथ परयोग करैले नै परे। यि अधिकार तोरासबके बिगारके लेल नै महज सुधारैके लेल हमरा देनेछै।
यदी उ ओकरोसबके बात नै सुन्तौ त, तकर जानकरी मन्डलीमे दहै। उ मन्डलीयोके बात नै सुन्तौ त, ओकरा गैर-यहुदी आ बटी उठाइबलासबके जखा समझ।
कथिलेकी कतहेक कम उमेरके मसोमातनीसब पहिनेसे बहैकके सैतानके रस्ता पर चैलगेलछै।
कि परमेस्वर तोरासबके आपन बेटा जखा माइनके देल उपदेस बिसैरगेल चिही? उ कहल्कै, “हे हमर बेटा, परभुके अनुसासनके तुसब बेरथके नै समझ, उ तोरासबके गल्तीमे हप्काइछौ त निरास नै हो,