23 अपनासबके सान्ती दैबला परमेस्वर आपनेसे हरतरहसे तोरासबके पबितर राखे आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट नै आबैतक तोरासबके आत्मा, परान, देह निरदोस रहे से हमर आसा चियै।
तोरासबके पापमे परैसे बचाइले सकैबला आ आनन्दसाथ आपन महिमाके अगा तोरासबके निरदोस ठहराइले सकैबला परमेस्वरके परसन्सा हेबे।
कथिलेकी परमेस्वरके बचन त जिबित आ काम करैबला चियै आ कोनोभी दुइ दिसन धार भेल तलबारसे बेसी चोख रहैछै। जनङ परान आ आत्माके भितर पुइगके अकर जोरनी आ हड्डी भितरके गुदीसबके भाग-भाग करैतक वार-पार करैछै, तहिनङ परमेस्वरके बचन लोकसबके हिरदयके बिचार आ चाहनाके एक-एक कैरके जाँच करैछै।
ओकर परेमसे तोरासबके मन नै डगमगाबे ताकि जब अपनासबके परभु येसु जहिया आपन पबितर जन सङे एतै तै बखत आपन परमेस्वर आ पिताके सामने तुसब पबितर आ निरदोस पाबे से हमरासबके परथना चियै।
तुसब कुछ समय कस्ट भोग्लाके बाद, अनुगरहसे भरल अपनासबके परमेस्वर, जे तोरासबके खिरिस्टमे अनन्त महिमामे सहभागी हैकेलेल बोलाइनेछौ। उ आपनेसे तोरासबके फेनसे अस्थापना करतौ, सिध करतौ, बलगर बनाके अस्थिर कराइतौ।
ताकि तोरासबमे असल कथी चियै उ छुटयाबैले सक आ खिरिस्ट आबैबला दिनमे तुसब सुध आ निरदोस हैले सक।
परमेस्वर पिता आपन पहिनेके योजना अनुसार तोरासबके छानल्कौ आ आपने पबितर आत्मासे पबितर बनेल्कौ। येसु खिरिस्टके आग्यापालन करैले आ ओकर लहुके छिटकासे सुध हेबे कैहके उ तोरासबके छानल्कौ। परमेस्वरके अनुगरह आ सान्ती तोरासबमे परसस्त हेबे।
हमरा पुरा बिस्बास छै कि, परमेस्वर तोरासबमे एकटा असल काम सुरु करल्कौ, वह्या येसु खिरिस्ट आबैबला दिनमे उ काम पुरा करतै।
ओहैसे, हे हमर पिरिय सङिसब, ओइ दिनके आसमे रहैतकाल परमेस्वरके नजरमे सुध, निरदोस आ सान्तीमे रैहके जिबन जियैले कोसिस कर।
लोकसबके पबितर बनाबैबला येसु आ पबितर बन्यालगेल सब एकेटा परिबारके चियै। ओहैलेल उ ओइसबके, “आपन भाइ-भैया आ दिदी-बहिनसब” कहैले नै लजाइछै।
महज आब खिरिस्टके देहके बलिदानसे परमेस्वर तोरासबके आपनसङे सुध, पबितर आ निरदोस कैरके मेलमिलापमे आन्नेछौ।
कथिलेत परमेस्वर गोलमालके परमेस्वर नै चियै, महज सान्तीके परमेस्वर चियै। जनङ सब मन्डलीमे भेल्हा सन्तसबके तौरतरिका अनुसार परमेस्वरके बिस्बासीसबमे छै।
तुसब आसा दैबला परमेस्वरमे बिस्बास करनेचिही। ओह्या तोरासबके आनन्द आ सान्तीसे भैरदेबे। तहिनङे पबितर आत्माके सक्तिसे तोरासबके आसा बैढते जाय।
तब मरियम कहल्कै, “हमर परान परमपरभुके परसन्सा करैछै,
भेंरासबके महान चरबाहा अपनासबके परभु येसु आपन लहु बहाके सबदिन रहैबला करार बान्हनेछै। ओहै लहुके आधारमे सान्ती दैबला परमेस्वर ओकरा मिरतुसे फेनसे जियाइल्कै।
सहैबला सक्ति आ हौसला दैबला परमेस्वर तोरासबके येसु खिरिस्टके जिबन जखा जियैले आ एके मनके हैले सक्ति देबे।
आब सान्ती दैबला परभु आपनेसे हरघरी आ हरतरहसे तोरासबके सान्ती देबे। परभु तोरासबगोरा सङे रहे।
तुसब जे बात हमरसे सिखलिही, गरहन करलिही, सुनलिही आ हमरमे देखलिही, ओहिनङे कर तब सान्तीके परमेस्वर तोरासबसङे रहतौ।
परमेस्वर आपनेसे खिरिस्टमे रैहके सन्सारके सब लोकसबके अपराधके लेखा नै ल्याके मिलापमे आइनरहलछेलै। आबसे यि मिलापके सेबा अपनासबके जिम्मा देनेछै।
तु ओकरासबके आँख खोइलके अन्हारसे इजोतमे आ सैतानके बन्धनसे परमेस्वर दिसन घुमाबे। जैसे उसब हमरमे बिस्बास करे आ ओकरसबके पाप छमा भ्याजाय आ परमेस्वरके पबितर करल लोकसब रहल ठाममे रहे पाबे।’
हम ओइसबके खातिर आपनेके पबितर करैचियै, ताकि उसब सेहो सत्यतामे पबितर हेबे।
हम यहुदा, येसु खिरिस्टके सेबक आ याकुबके भाइ, परमेस्वर पितासे बोल्याल आ येसु खिरिस्टसे रक्छा पाबलहासबके यि चिठी लिखैचियै।
तुसब पबितर रह कैहके परमेस्वरके इक्छाछै। अहैलेल तुसब बेबिचारसे अलग रह।
कोरिन्थ सहरमे भेल परमेस्वरके मन्डलीके, जकरा खिरिस्ट येसुमे पबितर बनाइनेछै आ ओकर पबितर जन हैकेलेल बोलाइल्कै आ चारुदिसनसे जे परभु येसुके पुकरा करैछै। ओह्या ओइसबके आ अपनासबके परभु चियै।
सान्ती दैबला परमेस्वर जल्दिए सैतानके तोरासबके टाङके तरमे मिसरेतौ। अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके अनुगरह तोरासबसङे रहे।
सान्ती दैबला परमेस्वर तोरासबसङे रहे। आमेन।
“आब हम तोरासबके परमेस्वरके जिम्मा आ ओकर अनुगरहके बचनमे सौपदैचियौ, जैसे तोरासबके बिस्बासमे मजगुत बनाइले सक्तौ आ पबितर करल लोकसबके सङे उतराधिकार दैले सक्तौ।
जब अपनासबके परभु येसु एतै, ओइ बखत ओकर अगा अपनासबके आसा, आनन्द आ घमन्डके मुकुटमे गर्भ करैबला कथी हेतै? कि यि तुहेसब नै चिही त?
परमेस्वरके कारन तुसब खिरिस्ट येसुमे चिही, परमेस्वर खिरिस्ट येसुके अपनासबके लेल बुधि, धरमी, पबितर आ पापसे छुटकरा दैबला बनाइल्कै।
आब अपनासबके परमेस्वर पिता आपनेसे आ अपनासबके परभु येसु हमरासबके लेल तोरासबलग आबैले रस्ता खोइलदेबे।
सब अधलाह बातसबसे दुर रह।
धिरजके पुरा रुपसे काम करैले दहै आ कोनो बातमे नै चुइकके आत्मिकी रुपमे परिपक आ सिध हैकेलेल सब किसिमके जाँचसब सहैत अस्थिर रहैके सिख।