18 केहनो परिस्थितीमे परमेस्वरके धन्यबाद दहै, कथिलेकी येसु खिरिस्टमे तोरासबके लेल परमेस्वरके इक्छा यिहे चियौ।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके नाममे परमेस्वर पिताके सब बातमे हरदम धन्यबाद दैतरह।
कोनो बातके चिन्ता नै कर, महज खाचो परल चिजके लेल परमेस्वरमे परथना कर आ ओकर करल सब असल चिजके लेल धन्यबाद दहै।
तुसब किछो कहबिही तैयो, किछो करबिही तैयो सब बात परभु येसुके नाममे कर तब ओकरेसे परमेस्वर पिताके धन्यबाद चरहा।
अहैलेल अपनासब येसुके नाउमे परमेस्वरके परसन्साके बली सबदिन चरहाइत रह। उहे अपनासबके परभु चियै कैहके सुइकार करैत अपनासबके मुहसे निकलल परसन्सा अपनासबके चरह्याल भेटी चियै।
आबसे तुसब अइ पिरथिबीमे बाचै तलिक आपन जिबन लोकके जखा अधलाह इक्छामे नै, महज परमेस्वरके इक्छा अनुसारके जिबन बिता।
तुसब असल काम कैरके मुरुख लोकसबके मुरखाहा बात बोलैबलासबके मुह बन्द कर कैहके परमेस्वरके इक्छाछै।
सन्सार आ सन्सारके कुइक्छासब ओर्या जाइछै, महज परमेस्वरके इक्छामे चलैबला लोक सबदिन जिबित रहतै।
तुसब पबितर रह कैहके परमेस्वरके इक्छाछै। अहैलेल तुसब बेबिचारसे अलग रह।