9 एक दोसरके परेम करे परैछै तैके बारेमे तोरासबके लेल लिखैके कोनो जरुरी नै छै, कथिलेकी परमेस्वर आपनेसे तोरासबके एक दोसरके परेम करे परैछै कैहके सिखाइने छौ।
तुसब यि बात सुरुवेसे सुन्ने चिही की हमसबके एक-दोसरके परेम करे परतै।
एक-दोसरके आपने भाइ-भैया जखा परेम कर। अपनासे बेसी दोसरके आदर कर।
ओकर आग्या एह्या चियै कि हमसब परमेस्वरके बेटा येसु खिरिस्टके नाममे बिस्बास करनाइ आ ओकर देल आग्या अनुसार एक-दोसरके परेम करनाइ चियै।
जे परमेस्वरके परेम करैछै, ओकरा आपन भाइयोके परेम करे परतै। एह्या आग्या खिरिस्ट अपनासबके देने छै।
एक दोसरके भाइ-भैयासब जखा परेम करैतरह।
देख हमर भाइसब, परभु कहिया आ कोन बखत एतै से तोरासबके लिखैके जरुरी नै छै।
बिस्बास करैबलासब एकेमन आ एके परानके भेलरहै, ओइसबमेसे कोइ नै आपन धन-सम्पतीके आपन चियै कहैछेलै, महज सब चिजके सझिया मानैत रहै।
आपन भाइके परेम करैबला इजोतमे रहैछै आ ओकरमे दोसरके बाधा दैबला कोनो बात नै रहैछै।
भक्तीमे भाइ-भैयाके इसनेह, भाइ-भैयारीके इसनेहमे परेम थप।
सबसे मुख बात यि चियै कि तुसब एक दोसरके पुरा मनसे परेम कर, कथिलेकी परेमसे बहुतो पापसबके झाइपदैछै।
अन्तमे हम यि कहैले चाहैचियौ, तुसब एके मनके हो, एक दोसरके पिर मरका बुझ, एक दोसरके भाइ दाखिल माइनके परेम कर। तुसब दयालु आ नम्र बन।
“परमपरभु कहैछै, आबैबला दिनमे ओइसबसङे लबका करार बान्हबै। ओइसबके हिरदयमे हम आपन बेबस्था राइखदेबै आ ओइसबके मनमे उ बात लिखदेबै।”
महज पिता हमर नाममे पठाइबला सल्लाहकार पबितर आत्मा तोरासबके सब बात सिखाइतौ आ हमर कहल सब बात तोरासबके मन पाइरदेतौ।
दोसर फेनो अहिनङे चियै, ‘तु आपन परोसियाके आपने जखा परेम कर।’
यहुदियामे रहल बिस्बासीसबके लेल पठेल्हा भेटीके बारेमे तोरासबके लिखैले कोनो आबसेक नै छै।
अपनासब आत्मिक रुपमे परिपक भेलसबके ओहिने बिचार करेपरतै। ककरो ककरोमे फरक बिचार छै त परमेस्वरे तोरासबके परकट कैरदेतौ।