6 एहैन खराब काम कैरके कोनो लोक आपन बिस्बासी भाइसबसे नाजाएज फाइदा नै उठाबे। कथिलेकी एहेन पाप करैबलासबके परमेस्वर दन्ड दैछै। अइके बारेमे हमसब पहिने तोरासबके एकदमसे चेताइने चियौ।
सब लोकसबके बिचमे बियाह आदरनिय हेबे। घरबला आ घरबाली बिचके बैबाहिक जिबन बिस्बास योग्य हैकेचाही। कथिलेकी अनैतिक काम करैबला आ दोसरके घरबला या घरबालीसङे बिगरैबला सबके परमेस्वर दन्ड देतै।
हमर पिरिय भाइ-भैयासब, आपनेसे ककरो बदला नै ले महज परमेस्वरके करोधमे छोइरदहै। कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे परमपरभु एहेन कहैछै, “बदला लैबला काम हमर चियै, हम्ही बदला लेबौ।”
परमेस्वर स्वरगसे आपन करोध पाप आ दुस्ट काम करैबला लोकसबके उपरमे परलछै। जेसब आपन दुस्ट कामसे सतके दबाके राखनेछै।
देख! जे जन-बनिहार तोरासबके खेतमे बालि-नाली समेटदेल्कौ तकरा तुसब बैन नै दैके कारनसे उसब कानैखिजैछै। तैसबके पुकार सरबसक्तिमान परमपरभु परमेस्वरके कान तलिक पुइग गेलछौ।
महज तुसब त गरिबसबके अपमान करनेचिही। कि धनिक लोकसब तोरासबके अत्याचार नै करैछौ? कि उसब तोरासबके अदालतके अगा घिस्याइत नै लजाइछौ से?
डाह, पियकरपन, मोजमजा करनाइ आ अहिनङे काम करैबलासब परमेस्वरके राजके हकदार हैले नै सक्तै कैहके हम तोरासबके चेताबनी दैचियौ आ पहिने सेहो देने छेलियौ।
कथिलेकी सासकसब तोरासबके भलाइ करैके लेल परमेस्वरके सेबकसब चियै। यदि तुसब खराब काम करैचिही त सासकसबके डर मान, कथिलेकी खराब काम करैबलाके दन्ड दैके अधिकार पाबने छै। परमेस्वर खराब काम करैबलासबके दन्ड दैले सासकसबके राखनेछै।
महज ककरसे डेराए परतौ, हम तोरासबके चेताबनी दैचियौ, ओकरेसङे डराबेपरैछै जकरसङे देहके मारके नरकमे फेकैके सक्ती छै। हम त कहैचियौ, ओकरेटासे मातर डेरा।
तब परमेस्वरके नै चिन्हैबलासब आ परभु येसुके सुसमाचारके नै मानैबलासबके सजाय देतै।
कोइ नै बेरथके बात कैरके तोरासबके धोखा दैले पाबे। कथिलेत बेरथके बातसबके कारन परमेस्वरके दन्ड थेथरमे परैछै।
अहै खातिर हम परभुके देल अधिकारसे तोरासबके जोर द्याके कहैचियौ, आबसे तोरासबके चालचलन परमेस्वरके नै चिन्हैबलासब जखा नै हेबे। कथिलेत ओइसबके सोच-बिचार बेकार छै।
तु त आग्यासब जान्बे करैचिही- हतिया नै कर, बेबिचार नै कर, चोरी नै कर, झुठा साक्छी नै दहै आ आपन माँ-बाबुके आदर कर।”
जे चोराबैछै आबसे उ चोरी नै करे। बरु मेहनत कैरके आपने हाथसे कमाबे आ अभाबमे परलहासबके मदत करैले सके।
कथिलेत हम पाँच भैयारी चियै, उ ज्याके ओइसबके चेताबे नै त ओहोसब हमरे जखा एहिनङ दुखे दुख भेल जगहमे चैलएतै।’
परमेस्वरसे एल दुखसे तोरासबमे केहेन उत्साह जगाइल्कौ, ओइके याद कर। आपनेके निरदोस साबित कराइके लेल केहेन उत्सुकता छौ। केहेन डाह, केहेन डर, केहेन पियास, केहेन जोस, नियाय हैकेलेल केहेन चाह छौ! सब बातमे तुसब आपनेके निरदोस साबित करनेचिही।
तुसब जान्बे करैचिही कि माँ-बाबु आपन बेटा-बेटीके सङे केहेन बेबहार करैछै तैहिने हमसब तोरासबसङे हरेक गोराके करलियौ।
पबितर धरमसास्तरके कोनो एक ठाममे एहैन कहलगेलछै, “लोक के चियै, अहाँ ओकर वास्ता राखैचियै? या लोकके बेटा के चियै, अहाँ ओकर वास्ता करैचियै?