14 कथिलेकी येसु मरलै आ फेनसे जिबित भेलै कैहके अपनासब बिस्बास करैचियै, अहैलेल जब येसु फेनसे एतै त मरैसे पहिने येसुमे बिस्बास करल लोकसबके परमेस्वर फेनसे जियेतै आ ओकर सङे-सङे एतै।
यदि येसुके मरलसे जिबित करैबला परमेस्वरके पबितर आत्मा तोरासबमे बास करैछौ त, येसु खिरिस्टके मरलसे जिबित करैबला वह्या आत्मा तोरासबके नास हैबला देहके सेहो जिबन देतौ।
देख भाइसब, मरलहा बिस्बासीसबके कि हैछै से तोरासबके थाह हेबे से हमसब चाहैचियै, ताकि आसा नै भेल्हा लोकसब जखा तोरासबके सोक करे नै परे।
ओकर परेमसे तोरासबके मन नै डगमगाबे ताकि जब अपनासबके परभु येसु जहिया आपन पबितर जन सङे एतै तै बखत आपन परमेस्वर आ पिताके सामने तुसब पबितर आ निरदोस पाबे से हमरासबके परथना चियै।
जिबित हैबला हम्ही चियै। हम मरल छेलियै महज आब सबदिनके लेल जिबित चियै, मिरतु आ पतालके कुजीसब हमर हाथमेछै।
तब स्वरगसे हम एकटा एहेन अबाज सुनलियै, “यि बात लिख: आबसे परभुके सेबा करैत-करैत मरैबला लोक धन्यके चियै।” पबितर आत्मा अनङ जबाफ देल्कै, “साँचेके! उसब आपन आपन मेहनतसे आराम पाबतै, कथिलेत उसब आपन करल काम अनुसार इनाम पाबतै।”
तब हमसब जिबित भेल्हासब परभुके अकासमे भेटैले ओइसबके सङे-सङे बादलमे उठ्याल ज्याब आ सबदिन हमसब परभुसङे रहब।
तुरहीके अबाजसङे उ आपन स्वरगदुतसबके पठेतै आ अकास आ पिरथिबीके चारु दिसरसे उ आपन छानल लोकसबके जमा करतै।
भाइ-भैयासब, अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट फेनो एतै। हमसब एकेसाथ ओकरसङे भेटब, महज हमसब तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि,
ओहैसे येसु खिरिस्ट मरलै आ फेर जिबित भेलै ताकी मरलसब आ जिबीतसब दुनुके परभु हेबे।