1 अन्तमे जब हमसब तोरासबसे दुर रहैले नै सकलियौ त सिलास आ हम एथेन्समे रहैके बिचार करलियै,
पावलके पुगाइले जाइबलासब ओकरा एथेन्स तक पुगादेल्कै। ओते पुइगके पावल ओइसबके हाथे सिलास आ तिमोथी सकभर जल्दीए आबे कैहके खबर पठाइल्कै।
ओहैसे जब हमरा नै रहल गेलै त, तुसब बिस्बासमे बलगर चिही कि नै बुझ्हैके लेल तिमोथिके तोरासबलग पठेलियौ। पापमे फसाइबला सैतान कहि तोरासबके फसाके हमरासबके करल मेहनत बेकार कैरदेल्कै कि कथी कैहके हम घबरागेलियै।
देख भाइसब, हमसब कुछ समयके लेल तोरासबसे जरुर दुर हैले परलै, महज हमरासबके मन त तोरासबसङे रहौ। तोरासबके सामनेसे देखेके बहौत इक्छा भेलाके कारन तोरासबलग जाइले बहौत कोसिस करलियौ।
महज हमर बिस्बासी भाइ तितस ओते नै भेटलाके कारन हमर मन बेचैन भेलै। तहैलेल ओइसबसे बिदा भ्याके हम माकेडोनिया परदेस दिसन गेलियै।
जब पावल एथेन्स सहरमे सिलास आ तिमोथीके लेल असियाल रहै तहै बखत सहर मुरतिये-मुरतिसे भरल देखके ओकर मनमे बहौत दुख लाग्लै।