15 उहे यहुदी लोकसब अगमबक्ताके आ उहेसब परभु येसु सेहो मुवेल्कै आ हमरोसबके सताइबला उहेसब चियै। उसब परमेस्वरके मन नै परैबला काम करैछै आ सारा लोकसबसे बिरोधी हैछै।
तब खुसी आ आनन्द मना, कथिलेत तोरासबके खातिर स्वरगमे बरका इनाम राखल छौ। अहिनङे तोरासबसे पहिनेके अगमबक्तासबके उसब सताइने रहै।
कि अगमबक्तासब मेसे ककरा नै तोरौरके पिता-पुरखासब सतेल्कौ? परमेस्वरके पबितर धारमिक सेबकके आबैसे पैहने भबिसबानी करैबलासबके खुन कैर देल्कौ आ तुसब ओहै धरमी सेबकसबके पकराके ओकरा खुन कैर देल्ही।
परमेस्वरके आपन निस्चित योजना आ ग्यान अनुसार पकरल गेलै। एह्या येसुके अधरमी लोकसबके हाथसे तुसब कुरूसमे किल्ला ठोइकके मारलिही।
अहिनङे जिबन दैबलाके तुसब मारलिही, जकरा परमेस्वर मरलसे जियाइल्कै। हमसब यि बातके गबाही चियौ।
महज मुल पुजारीसब आ हमरासबके सासकसब मिलके ओकरा मिरतुदन्ड द्याके कुरूसमे लटकेल्कै।
भिरके सबलोक जबाफ देल्कै, “अकर लहुके दोस हमरासबमे आ हमरासबके बेटा-बेटीसबमे परे!”
“ए यरुसलेमके लोकसब! तु अगमबक्तासबके मारैचिही आ परमेस्वर तोरासबलग पठेल्हासबके पथलसे मारैचिही। जनङ मुरगा आपन बच्चासबके डेन तरमे राखैछै, ओहिने हम बहुतो बेर तोहर बच्चासबके बचाइले चाहलियै, महज तु नै मानलिही।
महज परमेस्वर बहुतो गोरेसङे खुस नै छेलै आ उसब मरुभुमिमे नास भेलै।
एहेन कामसे यहुदीसब एकदम खुसी भेल देखके उ पतरुसोके पकरल्कै। यि घटना अखमिरी रोटीके पाबैनके समयमे भेल छेलै।
हमरासबके पितापुरखाके परमेस्वर येसुके मरलसे जियाइल्कै, जकरा तुसब कुरूसमे लटकाके मारने छेल्ही।
तौरौरके सबकोइ आ इजराएलके सब लोकसबके थाह हेबे, कि तोरेसबके अगा येसुके कुरूसमे लटकेल्कै आ परमेस्वर मरलसे जिबित करल्कै, ओह्या नासरतके येसु खिरिस्टके नाममे यि लोक तोरासबके अगामे निक भ्याके ठारभेल छौ।
हम बेर-बेर यातरा करैबखत लदिसबके, समुन्दरके, सहरके, उजार जगहके आ डाकुसबसे, आपने जाइतके लोकसबसे, आनजातके लोकसबसे, झुठा सिक्छकसबसे आबैबला खतरामे परलियै।