11 तुसब जान्बे करैचिही कि माँ-बाबु आपन बेटा-बेटीके सङे केहेन बेबहार करैछै तैहिने हमसब तोरासबसङे हरेक गोराके करलियौ।
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, हमर अरती देल बातके मान, कथिलेकी हम तोरासबके यि चिठी छोटमे लिखने चियै।
हम तोरा परमेस्वर, खिरिस्ट येसु आ चुनलगेल स्वरगदुतके अगा करा आग्या द्याके यि कहैचियौ कि भेदभाव बिना यि नियमसब पालन कर। पक्छपात कैरके कोनो काम नै कर।
हमसब एहेन लोकसबके परभु येसु खिरिस्टके नाममे आग्या आ अरती दैचियै कि उसब चुपचाप काम करे आ आपन कमाइ खाए।
ओहै लेल तुसब एक दोसरके उत्साह दहै आ बिस्बासमे बलगर बना, जनङ तुसब करैत आइबरहल चिही।
महज जहिने माँ आपन बालबच्चाके देखभाल करैछै, तहिने कैरके हमसब सेहो तोरासबसङे नरमसे बेबहार करलियौ।
तु बिस्बासीसबके यि सब बात पुरा अधिकारसे सिखाही, हौसला दहै आ हप्का। कोनो लोक तोरा हेला करे तैके मौका नै दहै।
ओहिनङे जबान सबके अपने-आपके बसमे राखैकेलेल उत्साह दहै।
अइ सन्सारमे धनिक भेल लोकसबके घमन्डी नै बन कैहके आग्या दहै। अनिस्चीत धन सम्पैतमे नै महज सब चिज परसस्तसे आपनसबके भोग करैले दैबला परमेस्वरमे भरोसा कर कैहके ओइसबके आग्या दहै।
सब चिजके जिबन दैबला परमेस्वर आ पन्तियस पिलातसके अगा असल साक्छी दैबला येसु खिरिस्टके अगा, हम तोरा यि आग्या दैचियौ,
बिस्बासी भाइ-भैयासब त चियै कैहके दाससब आपन बिस्बासी मालिकके कम आदर नै करौक, बरु उसब औरो निकसे मालिकके सेबा करेपरतै, कथिलेकी सेबासे लाभ पाबैबला मालिकसब ओकरासबके आपने पिरिय बिस्बासी भाइ-भैयासब चियै। तु यि बातसब मन्डलीमे बिस्बासीसबके सिखा आ पालन करैके लेल उत्साह दहै।
अइ बातसबके बारेमे तु मन्डलीके बिस्बासीसबके सिक्छा दहै ताकि ओइसबके कोइ नै दोस लगाबे पाबे।
अन्तमे हमर भाइ-भैयासब परमेस्वरके मनपरैबला जिबन कनङके जियैछै से हमसब तोरासबके सिखेलियौ ओहिनङके फेनु तुसब जियैचिही। तोरासबके जिबन औरो बहौत असल हेबे कैहके परभु येसुके नाममे हमसब तोरासबके बिन्ती करैचियौ।
ओइ इलाकामे पुग्लाकेबाद ओतेका बिस्बासीसबके उत्साह द्याके फेनो ओतेसे उ गिरिस देसमे गेलै।
नोकरसब सेहो आपन आपन मालिकके अधिनमे रैहके ओइसबके सब काममे खुस करौक, मुह-मुहे नै लागौक।
अहै खातिर हम परभुके देल अधिकारसे तोरासबके जोर द्याके कहैचियौ, आबसे तोरासबके चालचलन परमेस्वरके नै चिन्हैबलासब जखा नै हेबे। कथिलेत ओइसबके सोच-बिचार बेकार छै।
कथिलेत हम पाँच भैयारी चियै, उ ज्याके ओइसबके चेताबे नै त ओहोसब हमरे जखा एहिनङ दुखे दुख भेल जगहमे चैलएतै।’
एहैन खराब काम कैरके कोनो लोक आपन बिस्बासी भाइसबसे नाजाएज फाइदा नै उठाबे। कथिलेकी एहेन पाप करैबलासबके परमेस्वर दन्ड दैछै। अइके बारेमे हमसब पहिने तोरासबके एकदमसे चेताइने चियौ।
देख हमर भाइ-भैयासब, कोढिया लोकसबके चेताबनी दहै, हरेस खाल लोकसबके साहस दहै, कमजोर लोकसबके मदत कर आ सबगोरासे सैहके रह कहैके हमसब तोरासबके बिन्ती करैचियौ।
हमर बेटा-बेटीसब सतके रस्तामे चलैछै कैहके सुन्नाइसे बरका आनन्द हमर लेल औरो कथी हेतै?
सङे रहैत यि सब बात त हम तोरासबके पैहनै कहने छेलियौ, नै?