9 कथिलेकी जब हमसब तोरासबलग एलियौ त तुसब कनङके हमरासबके स्वागत कैल्ही आ जिबित आ सत परमेस्वरके सेबा करैके लेल कनङके मुरतिपुजा करैले छोइरदेल्ही से बात त लोकसब आपने कहैछै।
ओहै कारनसे हमसब एकदम मेहनत करैचियै आ हरदम सङघरसमे लागल रहैचियै। कथिलेकी अपनासबके आसा जिबित परमेस्वरमे छै। परमेस्वर सब मानब जातीके आ खास कैरके बिस्बासीके मुक्तीदाता चियै।
तोरासबके थाहे छौ कि, जब तुसब परभुमे बिस्बास नै करनेछेल्ही, तब कोनो न कोनो परकारसे भटैकके बोले नै सकैबला मुरुतीसबके पुजा करैछेल्ही।
हमसब परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइते रहैचियै, कथिलेकी जै परमेस्वरके सत बचन हमसब तोरासबके सुनेलियौ तुसब उ बचन लोकसबके चियै कैहके नै महज परमेस्वरके सत बचन छै बुइझके गरहन करलिही। उ बचन तोरासबके बिस्बासीसबके जिबनमे काम कैर रहल छौ।
देख हमर भाइ-भैयासब, तोरासबसङे करल हमरासबके भेटघाट बेरथ नै भेलै कैहके तोरासबके थाहे छौ।
“यौ साथीसब, अहाँसब कथिले एहेन काम करैचियै? हम्हुसब त अहैसब जखा दुख-सुख भोगैबला लोकसब चियै आ अहाँसब यि मुरुतके पुजा-पाठ करैले छोइरके जिबित परमेस्वर जे अकास, पिरथिबी, समुन्दर आ ओइमे जे कुछो छै, ओइसबके बनाइनेछै तैमे बिस्बास करु कैहके सुसमाचार सुनाबैले एलचियै।
ओकरसङे सन्सारके रजासब बेबिचार करने छेलै आ सन्सारके लोकसब ओकर बेबिचारके नसासे मातल छेलै।”
महज तुसब त सियोन पहार अरथात जिबित परमेस्वरके सहर स्वरगिय यरुसलेममे एलचिही। जते अनगिन्ती स्वरगदुतसब आनन्द मनाबैछै।
तब “जै ठाममे यहुदी बाहेक औरो लोकसबके एहेन कहलगेलै, ‘तुसब हमर परजा नै छेल्ही’, ओहै ठाममे ‘आब जिबित परमेस्वरके बेटा-बेटी कहाइबिही।’”
सिमोन पतरुस जबाफ देल्कै, “अहाँ त खिरिस्ट चियै, जिबित परमेस्वरके बेटा।”
हमर पिरिय बेटा-बेटीसब, तुसब अपने आप झुठा देबी-देउतासबसे बैचके रह।