6 तुसब हमरासबके आ परभुके देखासेखी करलिही, कथिलेकी सताबटमे सेहो तुसब पबितर आत्मासे देल सुसमाचार खुसिसे गरहन करलिही।
जहिनङ हम खिरिस्टके देखासेखी करैचियै तहिनङ तुसब सेहो हमर देखासेखी कर।
तैखातिर हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, तुसब हमर देखासेखी कर।
तब ओहै बखत एन्टिओखियाके बिस्बासी बहौत खुसी आ पबितर आत्मासे भरपुर भेलै।
महज पबितर आत्माके फलसब- परेम, आनन्द, सान्ती, धिरज, दया, भलाइ, बिस्वस्तता,
सहायता पाबैके हक नै चियै से बात नै, बल्की तोरासबके लेल एकटा सिख हेबे कैहके हमसब ओनङ करलियै।
पिरिय सङि, तु खराब कामके देखासेखी नै कर, बरु असल कामके देखासेखी कर। जे असल काम करैछै, उ परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै आ जे अधलाह काम करैछै, उ परमेस्वरके नै चिन्हने रहैछै।
तुसब परमेस्वरके दुलरुवा धियापुता भेलासे ओकरे देखासिखी करैबला हो।
तब येसु फेनो लोकसबके कहल्कै, “सन्सारके इजोत हम्ही चियौ। हमर पछा चलैबला अन्हारमे कहियो नै चल्तै, महज उ जिबनके इजोत पाबतै।”
तकरबाद येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “अदी जे कोइ हमर चेला बनैले चाहैछै त, उ आपन मनके मारौक आ आपन कुरूस बोइकके हमर पछा लागौक।
यदि तुसब भलाइके काममे लागल रहबिही त, तोरासबके हानी के करतौ?
तुसब ओकरा नै देख्नेचिही तैयो परेम करैचिही। अखैन तुसब नै देखैचिही तैयो ओकरमे बिस्बास करैचिही आ बखाने नै करेसकैबला गौरबमय आनन्दमे तुसब खुसी चिही।
यि तोरासबके लेल बहौत खुसीके बात चियौ, ओनङ त, अखैन कुछ समयके लेल तरासबके बहौत परकारके कस्ट भोगेपरल छौ।
तुसब जहलमे परलहा लोकसबके दया देखाइलिही, आपन सम्पती लुटलगेलै तैयो खुसिसाथ सहन करलिही, कथिलेकी तुसब जानैछेल्ही, कि औरो उतम आ सबदिन रहैबला सम्पती आपनेसङे छै।
अहै खातिर सब परकारके सताबट आ कस्ट सैहरहल साहस देखके अस्थिर आ बिस्बासके बारेमे मन्डलीके बिचमे हमसब गौरब करैचियै।
हे भाइ-भैयासब तुसब हमर देखासेखी कर। हमसब तोरासबके लेल असल नमुना बनलियौ। आब ओहै नमुना अनुसार चलैबला लोकसबके पछा लाग।
हमरासबके आसा करलसे बहौत बेसि उसब देल्कै। उसब पहिने आपनेके परभुमे अरपन करल्कै तरकरबाद परमेस्वरके इक्छा अनुसार आपनेके हमरासबके हाथमे सोइप देल्कै।
तुसब आसा दैबला परमेस्वरमे बिस्बास करनेचिही। ओह्या तोरासबके आनन्द आ सान्तीसे भैरदेबे। तहिनङे पबितर आत्माके सक्तिसे तोरासबके आसा बैढते जाय।
तकरबाद सारा यहुदिया, गालिल आ सामरियाके मन्डलीसबमे सताबटसे सान्ती भेलै। परभुके डर मानैत बिस्बासमे मजगुत भेलै। परमेस्वरके पबितर आत्माके जोस पाइबके मन्डलीसब बरहैत गेलै।
तब येसुके नाममे अपमान सहैके योग्य चियै कैहके खुसी मनाइत उसब महासभामे गमलिएलके बात मानैत निकैलके गेलै।
हम तोरासबके परसन्सा करैचियौ, कथिलेत तुसब सब बातसबमे हमरा याद करैचिही आ हम तोरासबके देल सिक्छासब पालन करैचिही।
सोकमे रहितोपरभी हरसमय आनन्दमे रहैचियै। गरिब रहितोपरभी बहुतोके आत्मिकी रुपमे धनिक बनाबैचियै। कुछो नै रहितोपरभी हमरासबसङे सब चिज छै।
कथिलेकी कनङके हमरासबके देखासिखी करैके चाही से तुसब जान्बे करैचिही। हमसब तोरासबसङे रहलियौ त कोढिया भ्याके नै रहलियौ।
परमेस्वरके बचन सुना। बेलोमे कुबेलोमे सुसमाचार सुनाइले नै छोर। पुरा-पुरी धिरजसे लोकसबके सम्झा, चेताबनी दहै आ असल सिक्छासे हिम्मत बरहा।