4 हे हमर भाइसब, हमरासबके यि बात थाहछै कि परमेस्वर तोरासबके परेम करैके कारन तोरासबके चुन्ने छौ।
परभुके परेम करल भाइ-भैयासब, तोरासबके खातिर हमसब हरदम परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइले बिबस चियौ, कथिलेत परमेस्वर सुरुवेसे तोरासबके मुक्ती दैकेलेल चुनल्कौ। उ मुक्ती तोरासबके पबितर बनाइले पबितर आत्मासे आ सत बातमे तोरासबके करल बिस्बाससे आबैछै।
तैल्याके हे भाइसब, परमेस्वर तोरासबके बोलाइनेछौ आ चुन्ने छौ से बात आपन जिबनमे परमानित करैले एकदम कोसिस करैतरह। तुसब एहैन करबिही त, बिस्बाससे कहियो नै गिरबिही।
परमेस्वरके कहल बात होसे नामके अगमबक्ता अनङ लिखने छै, “जे लोकसब हमर परजा नै छेलै तकरासबके हम आपन परजा कैहके बोलेबै। जकरा हम परेम नै करनेछेलियै, तकरा हम आपन पिरिय कैहके बोलेबै।”
तुसब परमेस्वरके छानल पिरिय पबितर लोकसब चिही। अहै कारन मया, दया, नरमता, कोमलता आ सहनसिलताके धारन कर।
उ सन्सार सिरिस्टी करैसे पैहनिए खिरिस्टमे अपनासबके आपन अगा पबितर आ निरदोस करैले छान्ने छेलै।
तुसब रोम सहरमे भेल सब लोकसबके परमेस्वर परेम करैछै, जे परमेस्वरके पबितर लोक हैकेलेल बोल्यालगेलछै। अपनासबके परमेस्वर पिता आ परभु येसु खिरिस्टसे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले।
परमेस्वर पिता आपन पहिनेके योजना अनुसार तोरासबके छानल्कौ आ आपने पबितर आत्मासे पबितर बनेल्कौ। येसु खिरिस्टके आग्यापालन करैले आ ओकर लहुके छिटकासे सुध हेबे कैहके उ तोरासबके छानल्कौ। परमेस्वरके अनुगरह आ सान्ती तोरासबमे परसस्त हेबे।
बिस्बाससे करल तोरासबके काम, परेमसे करल तोरासबके मेहनत आ आपन परभु येसु खिरिस्टके आसामे करल तोहरसबके सहनसिलता हमसब परमेस्वर आ पिताके अगा परथनामे हरदम सम्झैत रहैचियौ।