2 तोरा सबगोराके लेल हमसब परमेस्वरमे सबदिन परथनामे याद करैत धन्यबाद दैचियै।
जब-जब हम आपन परथनामे तोरा याद करैचियौ तब-तब परमेस्वरके हरदम धन्यबाद दैचियै।
हमसब तोरासबके खातिर परथना करैतखिना अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके पिता परमेस्वरके हरदम धन्यबाद चरहाइचियै।
हम तोरासबके लेल सबदिन परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै कथिलेकी खिरिस्ट येसुमे तुसब परमेस्वरसे अनुगरह पाबनेचिही।
परमेस्वरके धन्यबाद हेबे, तुसब एकचोटी पापके दास छेल्ही महज तुसब अखुन आपन परमेस्वरसे सिखाल सिक्छा हिरदयसे पालन करैचिही।
हमसब परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइते रहैचियै, कथिलेकी जै परमेस्वरके सत बचन हमसब तोरासबके सुनेलियौ तुसब उ बचन लोकसबके चियै कैहके नै महज परमेस्वरके सत बचन छै बुइझके गरहन करलिही। उ बचन तोरासबके बिस्बासीसबके जिबनमे काम कैर रहल छौ।
तोरासबके लेल हमसब परमेस्वरके कतबो धन्यबाद देबै तैयो नै पुग्तै! तोरेसबके खातिर हमसब परमेस्वरके सामने बहौत आनन्द महसुस करैचियै।
भाइ-भैयासब, तोरासबके खातिर हरदम परमेस्वरके धन्यबाद देनाइ जरुरी छै। यि फेर योग्यकेभी चियै, कथिलेत तोरासबके बिस्बास परसस्त बरहैत ज्यारहलछौ आ तोरासबके परेम एक-दोसरमे बैढरहल छौ।