3 तोरासबके जिम्मामे देल बिस्बासीसब उपर हुकुम नै चला महज ओइसबके लेल एकटा उदाहरन बन।
सहायता पाबैके हक नै चियै से बात नै, बल्की तोरासबके लेल एकटा सिख हेबे कैहके हमसब ओनङ करलियै।
हे भाइ-भैयासब तुसब हमर देखासेखी कर। हमसब तोरासबके लेल असल नमुना बनलियौ। आब ओहै नमुना अनुसार चलैबला लोकसबके पछा लाग।
हमसब तोरासबके बिस्बासमे अधिकार जमाइले नै चाहैचियौ, बरु तोरासबके खुसिके लेल तोरेसबसे मिलके काम करैले चाहैचियौ। कथिलेकी तुसब आपन बिस्बासमे अस्थिर चिही।
तुसब आपन सब काममे ओइसबके अगा अपने-आपके असल नमुना बैनके देखा। तु इमान्दार आ गम्भीर भ्याके सिक्छा दहै।
जबान भेलाके कारन कोइ नै तोरा निच ठाने। बरु तु बोलि-बचनमे, चाल-चलनमे, परेममे, बिस्बास आ पबितरतामे बिस्बासीसबके अगा एकटा नमुना बन।
तैल्याके तोरासबके आपनो आ आपन पुरे जेरके रेखदेख करैतरह। पबितर आत्मा तोरासबके ओइसबके चरबाहा बनाइनेछौ कि तोरासबके परमेस्वरके मन्डलीके रेखदेख कर, जकरा परमेस्वर आपन बेटाके लहुसे किन्नेछै।
तुसब जे बात हमरसे सिखलिही, गरहन करलिही, सुनलिही आ हमरमे देखलिही, ओहिनङे कर तब सान्तीके परमेस्वर तोरासबसङे रहतौ।
हमसब आपने बारेमे परचार नै करैचियै, महज येसुके खातिर हमसब तोरासबके सेबक भ्याके, येसु खिरिस्टे परभु चियै कैहके परचार करैचियै।
तैयो परभुमे जनि पुरुखसे स्वतन्तर नै हैछै आ पुरुखो जनिसे स्वतन्तर नै हैछै।
महज तुसब त परमेस्वरके छानल जन, राजकिय पुजारी, पबितर जाती, निजी परजा चिही। उ तोरासबके अन्हारसे ओकर अचमके इजोतमे आनल्कौ, ताकी तुसब ओकर आस्चरजके कामसबके घोसना करैले सक।
कथिलेत सङे-सङे हमसब परमेस्वरके काम करैबला चियै आ तुसब परमेस्वरके खेत आ घर चिही।
अपोल्लोस के चियै? आ पावल के चियै? हमसब त परमेस्वरके खट्याल सेबकसब मातरे चियै, जकरसे तुसब बिस्बास करलिही। हमसब त परभुके खट्याल काम मातरे करैचियै।
कथिलेत जहिनङे हम तोरासबके करनेचियौ तहिनङे तोरोसबके करे परतौ कैहके हम एकटा नमुना देने चियौ।
तकर परिनाम यि भेलै कि तुसब माकेडोनिया आ अखैया परदेसमे भेल सब बिस्बासीके लेल एक नमुना बैन गेलचिही।