17 नियाय हैबला समय आइबगेल छै आ यि नियाय परमेस्वरके आपने लोकसबसे सुरु हेतै। हमरासबके नियाय हैछै त, परमेस्वरके सुसमाचार कहियो नै बिस्बास करैबलाके दसा केहन हेतै?
तब परमेस्वरके नै चिन्हैबलासब आ परभु येसुके सुसमाचारके नै मानैबलासबके सजाय देतै।
पबितर धरमसास्तर कहैछै, “एह्या पथल चियै जैमे लोकसबके ठेस लागैछै। एह्या चट्टान चियै जैमे लोकसब खसैछै।” कथिलेकी परमेस्वरके बचनमे बिस्बास नै करैबला ठेस लाग्तै कैहके तोकल छेलै।
खराब काम करैबला हरेक लोकमे दुख आ सङकट एतै, पहिने यहुदी तब गैर-यहुदीसबमे सेहो एतै।
कथिलेत जब उसब गाछ हरियर रहैत एहेन करैछौ त, सुइखगेलाके बाद कथी करतौ?”
अनङकैरके परमेस्वर ओकरा सिध बनेलाके बाद ओकर आग्यापालन करैबला सबके लेल उ अनन्ततक रहैबला मुक्तीके मुल बन्लै।
परमेस्वर बहुतरा चेन्हासब देखाके बहुत किसिमके आस्चरजके कामसब आ सक्तीसाली कामसब करैत उ आपन इक्छा बमोजिम पबितर आत्माके दान-बरदानसब द्याके यि बातके गबाही देल्कै।
कथिलेकी स्वरगदुतसबसे घोसना करल सन्देस सत छेलै आ जे कोइ ओइके पालन नै करल्कै या नै टेरल्कै, सेसब दन्ड पाबल्कै।
ओनङ त तुसब सतके बाटमे असलेसे दौरैछेल्ही। के तोरासबके सतके पालन करैले बाधा देल्कौ?
बिस्बास दुवारा अबराहम परमेस्वरके कहल मानल्कै आ जो कैहके कहल ठामदिसन गेलै, जे ठाम परमेस्वर ओकरा देबौ कैहके परतिग्या करने छेलै। कते जेबै कैहके ओकरा थाहे नै छेलै तैयो उ आपन देस छोइरके गेलै।
हे मुरुख गलातीके बिस्बासी लोकसब, तोरासबके के मोहनी लग्याके मोइह लेल्कौ? तोरेसबके आँखेके अगा येसु खिरिस्ट कुरूसमे टाङलगेल बात अस्पस्ट रुपसे कैहदेनेछेलौ।
हम पावल, येसु खिरिस्टके दास, यि चिठी लिखैचियौ। परमेस्वर हमरा परेरित हैले बोलाइल्कै आ ओकर सुसमाचार परचार करैले अलग करने छै।
तैखातिर मौका भेटैत मातर सबकोइके भलाइ कैरते चल, खास कैरके खिरिस्टमे बिस्बास करल परिबारसबके।
यदी हमरा आबैमे देर हेतै त, परमेस्वरके परिबारमे भेल लोकसबके चाल-चलन केहेन रहैके चाही से जाइनले। यि परिबार त जिबित परमेस्वरके मन्डली अरथात सतके खम्हा आ जग चियै।
महज खिरिस्ट त घरके अधिकार पाबल बिस्बासयोग्य बेटा भ्याके सेबा करल्कै। यदि हमसब आपन आसामे अन्तिमतक भरोसा आ गर्भ कैरते रहबै त अपनोसब परमेस्वरके घरके सदस हेबै।
तुसब जिबित पथल चिही। परमेस्वर तोरासबके परयोग कैरके आपन आत्मिक मन्दिर बन्यारहलछौ, ताकी तुसब पबितर पुजारी भ्याके येसु खिरिस्टसे परमेस्वरके मनपरैबला आत्मिक बलिदान चरहाइले सकबिही।