1 घरबालीसब, तुसब आपन-आपन घरबलासबके अधिनमे रह। एहेन करबिही त परमेस्वरके बचनमे बिस्बास नै करैबला घरबालासब तोरासबके असल चालचलन देखके बिस्बास करतौ। तोरासबके कुछो नै कहे परतौ,
हे घरबालीसब, तुसब परभुके नजरमे मनपरैबला ढङसे आपन-आपन घरबलासबके अधिनमे रह।
चाहे जे हेबे, तुसब आपन-आपन घरबालीसबके आपने जखा परेम करे परतौ आ घरबालीयोसब आपन-आपन घरबलाके आदर करे परतौ।
महज तोरासबके यि बात थाह हेबे कि खिरिस्ट हरेक मानबके सिर चियै। तहिनङे घरबला आपन घरबालीके सिर चियै आ परमेस्वर खिरिस्टके सिर चियै।
हे घरबाली, तोरा कि थाह! सायद तोहर कारनसे तोहर घरबला उदार पाबैले सक्तियौ कि? या हे घरबला, तोरा कि थाह! सायद तोहर कारनसे तोहर घरबाली उदार पाबैले सक्तियौ कि?
तहिनङे घरबलासब, आपन-आपन घरबालीसबसङे बिचारसिल भ्याके रह आ ओइसबके अबला माइनके आदर कर। मनमे याद राख कि तोहरे जखा अनन्त जिबनके बरदानमे सहभागी छौ। अनङ करबिही त तोरासबके परथनामे कोनो किसिमके बाधा नै परतौ।
उदाहरनके लेल, कोनो एकटा बियाह भेल जनी बेबस्था अनुसार ओकर घरबला जिबित रहेतक आपन घरबलासङे रहैछै, महज यदि ओकर घरबला मैरजाइछै त, बेबस्थाके बन्धनसे सोतन्तर हैछै।
जनिसब मन्डलीके सभामे चुप रहैके चाही। ओइसबके बाजैके अनुमति नै छै, महज बेबस्थामे कहल जखा उसब अधिनमे रहे।
“अदी कोनो बिस्बासी भाइ तोहर बिरोधमे पाप करैछौ त ओकरलग असगरे जो आ एकान्तमे ओकर करल पाप देखादहै। यदी उ तोहर बात सुन्तौ त, उ तोहर भाइ हेतौ।
येसु खिरिस्टके बिस्बास नै करैबलासबसङे बेबहार करैतखिना बुइध पुगाके कर आ तोरासबके भेटल सब मौकाके पुरा रुपसे परयोग कर।
बिस्बास दुवारा अबराहम परमेस्वरके कहल मानल्कै आ जो कैहके कहल ठामदिसन गेलै, जे ठाम परमेस्वर ओकरा देबौ कैहके परतिग्या करने छेलै। कते जेबै कैहके ओकरा थाहे नै छेलै तैयो उ आपन देस छोइरके गेलै।
तब परमेस्वरके नै चिन्हैबलासब आ परभु येसुके सुसमाचारके नै मानैबलासबके सजाय देतै।
परमेस्वरके धन्यबाद हेबे, तुसब एकचोटी पापके दास छेल्ही महज तुसब अखुन आपन परमेस्वरसे सिखाल सिक्छा हिरदयसे पालन करैचिही।
नियाय हैबला समय आइबगेल छै आ यि नियाय परमेस्वरके आपने लोकसबसे सुरु हेतै। हमरासबके नियाय हैछै त, परमेस्वरके सुसमाचार कहियो नै बिस्बास करैबलाके दसा केहन हेतै?
आब तुसब सतके माइनके आपन मन सुध कैरलेने चिही तहैलेल एक दोसर कोनो छलकपट नै कैरके भाइ-भैया आ दिदी-बहिन जखा परेम कर। हिरदयसे एक दोसरके परेम कर।
अनङकैरके परमेस्वर ओकरा सिध बनेलाके बाद ओकर आग्यापालन करैबला सबके लेल उ अनन्ततक रहैबला मुक्तीके मुल बन्लै।
महज सुनैबला लोकसब सुसमाचारके सुइकार नै करल्कै, कथिलेत यसैया अगमबक्ता कहैछै, “हे परभु, हमरासबके परचार करल सुसमाचारमे के बिस्बास करने छै से?”
कथिलेकी तोरासबके चालचलन कतहेक सुध आ आदरनिय चियै से उसब आपनेसे देख्तौ।