20 यदि कोइ खराब काम कैरके सरासर दन्ड भोग्तै त, उ कनङके चाबसी पाबतै? महज कोइ असल काम कैरते कैरते सरासर दन्ड पाबतै त, परमेस्वर ओकरसे खुसी हेतै।
यदि परमेस्वरके याद कैरके ठिक काम करबिही आ धिरज धारन कैरके अनियाय सहबिही त, परमेस्वर तोहरसे खुसी हेतौ।
खराब काम कैरके दुख भोगनाइसे त, भलाइके काम कैरके परमेस्वरके इक्छा अनुसार दुख भोगनाइ असल चियै।
यदि असल काम कैरतोपरभी दुख भोगैले परतौ त, तुसब आसिस पाबबिही। तहैलेल लोकके धम्कीसे नै डरा, नै त चिन्ता कर।
“तोरासबके परेम करैबलासङे परेम करैचिही त कथी फैदा? कथिलेत पापीयोसब आपनके परेम करैबलाके परेम करैछै।
आ तुसब आपन भाइ-बहिनसबके मातरे गोरलगी करैचिही त औरोसबसे बेसी कथी करलिही? कि गैर-यहुदीके लोकसब अहिनङ नै करैछै?
हमसब अखुन्तो भुखल आ पियासल चियै, फाटल-चिटल बस्तर पिन्हैचियै आ मार-पिट खाइचियै आ हमरासबके रहैबला घरो-दुवार नै छै।
ओइसबमेसे कोइ-कोइ ओकरा थुक दैले लाग्लै। आँखमे पट्टी बाइन्हके थपराइत कहल्कै, “ले तु अन्तरयामी चिही त, कह त तोरा के पिटल्कौ?” तब सिपाहीयोसब ओकरा थापर मारल्कै।
तब उसब ओकरा मुहमे थुकल्कै, मुका मारल्कै। कुछ लोक थपराइत कहल्कै,
हम पाबैबलासे बेसी पाबनेचियै। इपाफोरोडिटसके हाथसे पठ्याल तोरासबके गमगम करैबला, परमेस्वरके मनपरैबला आ गरहन योग्य भेटी पाइबके हम सन्तुस्ट भेलचियै।
कोन-कोन बातसे परभु खुस हैछै, से सिखैले कोसिस कर।
यदि कोइ तोरासबके लेल निक काम करैले चासो देखाइछौ त असल बात चियै। चाहे हम तोरासबसङे रही या नै रही तैयो हरदम असल बातमे जोसगर हो।