7 नास हैबला सोनाके आइगमे खाइरके सुध करल जखा तोरासबके बिस्बास ओहौसे मुल्यबान छौ। अहै खातिर तोरासबके बिस्बास सच ठहरे आ येसु खिरिस्ट परगट हैबला दिनमे परसन्सा, महिमा आ आदरके योग्य बने।
उ लोक धैनके चियै, जे आपत-बिपतमे अस्थिर रहैछै, कथिलेकी जाँचके सामना करलाके बाद उ जिबनके मुकुट पाबतै, जे परमेस्वरके परेम करैबलासबके परमेस्वर दैले परतिग्या करने छै।
हे पिरिय भाइसब, तोरासबके जाचैके लेल अगनी परिक्छा एल बखत, यि नै हैबला काम चियै कैहके तुसब अचम नै मान।
जे लोकसब निरन्तर भलाइके काम कैरके आदर, इज्जत आ अनन्त जिबनके खोजी करैछै, ओइसबके परमेस्वर अनन्त जिबन देतै।
महज नियाइके दिनमे परमेस्वर सबकोइके काम परकट करतै आ उसबके करल काम केहेन छै कैहके आइगसे जाँचल जेतै।
तोरासबके पापमे परैसे बचाइले सकैबला आ आनन्दसाथ आपन महिमाके अगा तोरासबके निरदोस ठहराइले सकैबला परमेस्वरके परसन्सा हेबे।
ओकर महिमा आ भलाइके कारन उ अपनासबके अनमोल आ महान परतिग्यासब उ अपनासबके देनेछै, ताकी अइ सन्सारके अधलाह इक्छासे आबैबला बेकार बातसे बाँइचके इस्वरीय स्वभावमे सहभागी हो।
तुसब परभुके लगमे या, जे परमेस्वरके जिबित पथल चियै, जकरा लोकसब छाइटदेनेछेलै महज उ परमेस्वरके दिरिस्टीमे छानल गेल आ बहुमुल्यके चियै।
मालिक कहल्कै, ‘स्याबास! तु असल आ बिस्बास योग्य नोकर चिही। थोरबे चिजमे तु बिस्बास योग्य रहलिही। आब हम तोरा बहौत चिजके जिमा देबौ। हमरासङे आनन्द मना।’
पिरथिबीके सब जातीसबके जाँचैले अइ सन्सारमे आबैबला दुख कस्टसे हम तोरा बचाइबौ, कथिलेकी तुसब बहुत बात सैहके हमर आग्यापालन करनेचिही।
तोरा जे कस्ट परेबलाछौ ओइसे नै डरा। तोहर बिस्बास जाँचके लेल सैतान तोरासबमेसे कतेक लोकके जहलमे ढोकतौ। अहिनङ कैरके तोरासबके दस दिनतक कस्ट सहैले परतौ। तु मिरतु तक हमरमे बिस्बास करैले नै छोर। तब हम तोरा जिबनके मुकुट देबौ।’
देख, उ बादलमे आइबरहलछै आ हरेक लोक ओकरा देख्तै, उहोसब देख्तै जेसब ओकरा भालासे भोक्ने छेलै। सन्सारके सब जातीके लोक ओकर कारन बिलाप करतै। पक्का ओहिने हेतै। आमेन!
तैखातिर परभु नै आबैतक ककरो दोस नै लगा। आब अन्हारमे घोसरल बातसब उ इजोतमे लाबतै आ लोकके मनभितरके बिचारसब परकट करतै। तब सबलोक परमेस्वरसे आपन परसन्सा पाबतै।
महज पतरुस कहल्कै, “सत्यानास हेबे तु आ तोहर पैसा-कौरी, कथिलेत परमेस्वरके बरदान रुपैया-पैसासे किने मिल्तै से बिचार करलिही।
जे हमर सेबा करैले चाहैछै उ हमर पछा आबे आ हम जते रहबै ओते हमर सेबक सेहो रहतै। जे कोइ हमर सेबा करैछै हमर पिता तकरा आदर करतै।
तुसब एक-दोसरसे आदर खोजैचिही, महज परमेस्वरसे ल्याल आदरके कोनो वस्ते नै करैचिही त, तुसब कनङके बिस्बास करे सकबिही?
तुसब आपन धन बेचके गरिबसबके दहै। आपन खातिर कहियो नै फाटैबला बटुवा तैयार कर। तहिनङे कहियो नास नै हैबला धन स्वरगमे जमा कर। जते चोर नै एतौ आ नै किरो लागतौ।
उ मालिक कहल्कै, ‘स्याबस! तु असल आ बिस्बास योग्य नोकर चिही। तु थोरबेमे बिस्बास योग्य भेल्ही। आब हम बहौत चिजके जिमा देबौ। हमरसङे आनन्द मना।’
येसु उसबके कहल्कै, “साँचेके हम तोरासबके कहैचियौ, नया सिरिस्टीमे जहिया मानबके पुतर आपन महिमाके सिंहासनमे बैठतै, तहिया तुहुसब बारह सिंहासनमे बैठबही आ इजराएलके बारह कुलके नियाइ करबिही।
अहैलेल हम तोरा यि सल्लाह दैचियौ कि, धनिक हैकेलेल आइगसे खारल निखुर सोना हमरसे किन। आपन नाङट आङके लाज झापैके लेल उजर बस्तर हमरसे किनके लगा आ आँखसे देखे सकैबला हैकेलेल हमरे मलहम किनके लगा।
हम सिमोन पतरुस, येसु खिरिस्टके दास आ परेरितके तरफसे अपनासबके परमेस्वर आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्टके धारमिकतासे अपनेसब जखा अनमोल बिस्बास पाबैबलासबके लेल यि चिठी लिखरहल चियै।
बिस्बास करैबला तोरासबके लेल यि पथल अनमोल छौ। बिस्बास नै करैबालासबके लेल त यि पथल एहेन छै, “जै पथलके मिसतिरीसब बेकार समैझके फेकदेनेछेलै वह्या पथल जगके मुल खम्हा भेलै।”
तुसब बिस्बास करलाके कारन परमेस्वरके सक्तिसे सुरक्छित रहलचिही। उ मुक्ती तोरासबके खातिर तैयार करनेछौ जे अन्तिम समयमे परगट हेतौ।
साँचो यहुदी त हिरदयके भितरसे परमेस्वरके अगा सत ठहरैले परतै। तब साँचो खतना त देहके बाहरमे लगाइबला खतना नै महज परमेस्वरके आत्मा पाइबके हिरदय भितरेसे परिबरतन होनाइ चियै। एहेन लोक, लोकसबसे नै महज परमेस्वरसे आदर पाबैछै।
मानबके बेटा परगट हैबला दिनमे ऐहनङे हेतौ।
महज असल काम करैबला हरेक लोकके, आदर, इज्जत आ सान्ती मिल्तै, पहिने यहुदी तब गैर-यहुदीसबके सेहो मिल्तै।
परमेस्वर आपन बेटा-बेटीसबके परकट करैबला दिनके सारा सिरिस्टी भारी उतसुकताके साथ असियालछै।
अहै खातिर तोरासबके आपन मन तैयार राख, आत्म संयमी बन आ येसु खिरिस्ट आबै बखत तुसब पाबैबला अनुगरहमे पुरा आसा राख।
बरु खिरिस्टके दुख-कस्टमे सहभागी हैले पाबलियै कैहके आनन्द मना। जब उ आपन महिमाके सङे फेनसे एतै, तै बखत तुसब औरो आनन्द मनाइले सके।
हम एकटा मन्डलीके एल्डर चियै आ खिरिस्टके भोगल दुख-कस्टके आपनेसे देख्ने चियै आ पछा आबैबला महिमामे सहभागी हेबै। ओहैसे हम तोरासबके बिचमे भेल एल्डरसबके बिन्ती करैचियौ।
ओहैसे, हे हमर पिरिय सङिसब, ओइ दिनके आसमे रहैतकाल परमेस्वरके नजरमे सुध, निरदोस आ सान्तीमे रैहके जिबन जियैले कोसिस कर।