18 तुसब जानैचिही कि परमेस्वर तोरासबके पिता-पुरखासे चलैत एल बेरथके चालचलनसे दाम तिरके तोरासबके छुटकरा देल्कौ। उ दाम सोना या चानी जखा नास हैबला चिज नै चियै।
कथिलेत परमेस्वर तोरासबके मोल तिरके किन्ने छौ। तैखातिर तुसब आपन देहमे परमेस्वरके महिमा कर।
परमेस्वर तोरासबके मोल तिरके किन्नेछौ, तैखातिर लोकसबके दास नै बन।
येसु खिरिस्ट अपनासबके सब पापसबसे मुक्तीदैले आ सब खराबिसबसे छुटकारा दैले आपन परान निछावर करल्कै। उ यि चाहल्कै कि हमसब असल काममे उत्सुक हेबी आ ओकर अपने निज लोक हेबेसकी।
येसु खिरिस्ट अपनासबके अइ दुस्ट सन्सारसे बचाइके लेल परमेस्वर आ पिताके इक्छा मुताबिक पापके खातिर बली भेलै।
अहै खातिर हम परभुके देल अधिकारसे तोरासबके जोर द्याके कहैचियौ, आबसे तोरासबके चालचलन परमेस्वरके नै चिन्हैबलासब जखा नै हेबे। कथिलेत ओइसबके सोच-बिचार बेकार छै।
कथिलेत उसब परमेस्वरके चिन्हीयोके ओकरा आदर नै करल्कै, नै त धन्यबाद देल्कै, महज उसब आपन बिचारमे बेकम्मा भेलै आ ओइसबके मुरुख हिरदय औरो अन्हारसे भरलै।
तुसब बितलहा दिनसबमे गैर-यहुदी जखा निरलज बेबहार करनाइ, बेबिचारमे लिन, खराब अभिलासामे लगनाइ, पिके मातल, मोज-मज्जा करैबला आ घिरनित मुरतिपुजामे परसस्त समय बिताइलिही।
नास हैबला सोनाके आइगमे खाइरके सुध करल जखा तोरासबके बिस्बास ओहौसे मुल्यबान छौ। अहै खातिर तोरासबके बिस्बास सच ठहरे आ येसु खिरिस्ट परगट हैबला दिनमे परसन्सा, महिमा आ आदरके योग्य बने।
आ फेर दोसर ठाममे एहेन लिखल छै, “बुधिमानसबके बिचार बेरथके छै कैहके परमपरभु जानैछै।”
खिरिस्ट सिधा महापबितर ठाममे सबदिनके लेल एकेबेर ढुकलै। उ छागर आ बछासबके चरहाल बलीके लहु ल्याके नै ढुकलै, महज आपने लहु ल्याके ढुकलै आ अपनासबके सबदिन रहैबला मुक्ती देल्कै।
तुसब जानैचिही कि लोकसबके पाप दुर करैले खिरिस्ट परगट भेलै आ ओकरमे कोनो पाप नै छै।
या लोक आपन परानके बदला कथी दैले सक्तै?