9 हमसब लोकसबके देल साक्छीके त सुइकार करैचियै, महज परमेस्वरके देल साक्छी त ओइसबसे औरो महान छै। उ आपन बेटाके बारेमे साक्छी देने छै।
कथिलेत सन्सारके सब लोकसबके नियाइ करैके दिन उ तोइकदेने छै। ओइ दिन परमेस्वर आपनेसे छानल लोकसे सन्सारके उचित नियाय करतौ। ओइ लोकके नियाइ करैके अधिकार छै से परमान लोकसबके देबेखातिर परमेस्वर ओकरा मरलसे जियाइल्कै।”
पतरुस यि बात बाजतेछेलै कि तखुन्ते एकटा चम्कौवा बादल एलै आ छाहसे ओइसबके झाइपदेल्कै। तकरबाद ओइ बादलसे एकटा एहेन अबाज एलै, “यि हमर दुलरुवा बेटा चियै, अकरसे हम बहौत खुसी चियै, अकर बात धियानसे सुन।”
जे कोइ परमेस्वरके बेटामे बिस्बास करैछै, ओकर हिरदयमे अइ बातके साक्छी रहैछै। परमेस्वरके बिस्बास नै करैबला ओकरा झुठा ठहराइछै, कथिलेकी परमेस्वर आपन बेटाके बारेमे देल साक्छीके उ बिस्बास नै करैछै।
परमेस्वर बहुतरा चेन्हासब देखाके बहुत किसिमके आस्चरजके कामसब आ सक्तीसाली कामसब करैत उ आपन इक्छा बमोजिम पबितर आत्माके दान-बरदानसब द्याके यि बातके गबाही देल्कै।
यि सब बातसबके हमसब साक्छी चियै आ परमेस्वर आपन आग्यापालन करैबलासबके देल पबितर आत्मा सेहो साक्छी दैछै।”
महज यदी हम पिताके काम करैचियै तबो तुसब हमरा बिस्बास नै करैचिही त हमर करलाहा अजगुतके कामसबमे त बिस्बास कर। तब तुसब जानबिही आ बुझबिही, कि पिता हमरमे छै आ हम पितामे चियै।”
तुसब यि सोइचके धरमसास्तर निकसे परहैचिही कि, ओइमे अनन्त जिबन छै, महज एह्या धरमसास्तर हमर बारेमे गबाही दैछै।
परमेस्वरके करल परतिग्या आ खेल किरिया यि दुनुबात कहियो नै बदल्तै, कथिलेकी परमेस्वर झुठ नै बोलैछै। अहैलेल ओकरमे सरन लैबलासब अपनासबके अगा राखल आसा पाबैले बरका हौसला पाबनेचियै।
पबितर आत्मा, पानी आ लहु। यि तिनु एकेटा बातके साक्छी दैछै।