3 परमेस्वरसे परेम करनाइके मतलब ओकर आग्यासबके पालन करनाइ चियै। ओकर आग्यासब हमरासबके लेल भैरगर नै छै।
“यदी तुसब हमरा परेम करैचिही त हमर देल आग्यासबके मानबिही।
जनङ हम आपन पिताके आग्यापालन करनेचियै आ ओकर परेममे रहैचियै, तहिनङे तुहुसब हमर आग्यापालन करबिही त हमर परेममे रहबिही।
परेम करनाइके मतलब ओकर आग्या अनुसार जिबन जिनाइ चियै। तोरासबके सुरुवेसे सुनल आग्या एह्या चियौ कि तुसब सबगोरा परेममे चल।
यदि अपनासब ओकर आग्यापालन करबै त अहैसे अपनासब जान्बै कि अपनासब ओकरा चिन्हैचियै।
कथिलेत हमर मन परमेस्वरके बेबस्थामे आनन्दित हैछै।
यदी तुसब हमर देल आग्यापालन करैचिही त, तुसब हमर सङी चिही।
परमपरभु कहैछै, ‘आबैबला दिनमे हम इजराएलके लोकसबसङे यि करार बान्हबै। तोरासबके मनमे हम आपन बेबस्था राइखदेबौ, तोरासबके हिरदयमे उ लिखदेबौ। हम तोरासबके परमेस्वर हेबौ आ उसब हमर लोक हेतै।’
बेबस्था अपनेमे पबितर छै। ओहैसे ओकर आग्यासब पबितर, नियाय सङहत आ असल छै।
उसब धरम-करमके बहौत भारी लोकसबके बोकाबैछै, महज अपने उ भारी बोकैके त दुरके बात अंङरीयो तक नै बरहाइछै।