12 जकरसङे परमेस्वरके बेटा छै, ओकरसङे जिबन छै आ जकरसङे परमेस्वरके बेटा नै छै ओकरसङे जिबन नै छै।
जे कोइ परमेस्वरके बेटामे बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। जे कोइ परमेस्वरके बेटाके नै मानैछै, से कोइ अनन्त जिबन नै पाबतै महज ओकर उपर परमेस्वरके करोध परतै।
“हम साँचोके तोरासबके कहैचियौ, जे हमर बचन सुनैछै आ हमरा पठाइबलाके उपर बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। उ नियाइमे नै परतै, महज मिरतुसे पार भ्याके उ जिबनमे परबेस करने छै।
अहिनङ जेसब ओकरमे बिस्बास करतै, से सब अनन्त जिबन पाबतै।”
जेसब ओकरा सुइकार करल्कै आ ओकरमे बिस्बास करल्कै, तैसबके उ परमेस्वरके धियापुता हैके हक देल्कै।
परमेस्वरके कारन तुसब खिरिस्ट येसुमे चिही, परमेस्वर खिरिस्ट येसुके अपनासबके लेल बुधि, धरमी, पबितर आ पापसे छुटकरा दैबला बनाइल्कै।
बिस्बास करैबला आ बप्तिस्मा लैबलासब उदार पाबतै। महज बिस्बास नै करैबलासब दोसी ठहरतै।
खिरिस्टके सिक्छासे बाहर जाइबला लोकसङे परमेस्वर नै रहैछै, महज ओकर सिक्छामे चलैबला लोकसङे परमेस्वर पिता आ बेटा दुनु रहैछै।
यदि अपनासब खिरिस्टमे करल सुरुके भरोसाके अन्ततक जोगाके राखबै त, अपनोसब खिरिस्टसङे साझा हकदार हेबै।
हमर पहिन्का स्वभाब खिरिस्टेसङे कुरूसमे मरल छै। आबसे हम नै महज खिरिस्ट हमरमे जियैछै। जे जिबन अखन हम सरिरमे जियैचियै से परमेस्वरके बेटामे बिस्बास कैरके जियैचियै कथिलेत उ हमरा परेम करल्कै आ हमर खातिर उ बलिदान भेलै।