21 जे परमेस्वरके परेम करैछै, ओकरा आपन भाइयोके परेम करे परतै। एह्या आग्या खिरिस्ट अपनासबके देने छै।
तुसब यि बात सुरुवेसे सुन्ने चिही की हमसबके एक-दोसरके परेम करे परतै।
एक दोसरके परेम करे परैछै तैके बारेमे तोरासबके लेल लिखैके कोनो जरुरी नै छै, कथिलेकी परमेस्वर आपनेसे तोरासबके एक दोसरके परेम करे परैछै कैहके सिखाइने छौ।
अन्तमे हम यि कहैले चाहैचियौ, तुसब एके मनके हो, एक दोसरके पिर मरका बुझ, एक दोसरके भाइ दाखिल माइनके परेम कर। तुसब दयालु आ नम्र बन।
कथिलेत सब बेबस्थाके निचोर एकेटा आग्यामे पुरा हैछै, “आपन परोसियासबके आपने जखा परेम कर।”
“हमर आग्या यह्या चियै कि जहिना हम तोरासबके परेम करनेचियौ तहिना तुहुसब एक-दोसरके परेम कर।
ओकर आग्या एह्या चियै कि हमसब परमेस्वरके बेटा येसु खिरिस्टके नाममे बिस्बास करनाइ आ ओकर देल आग्या अनुसार एक-दोसरके परेम करनाइ चियै।
अपनासब जानैचियै कि मिरतुके मुहसे निकैलके जिबनमे पुइगगेल चियै कारन अपनासब एक दोसरके परेम करैचियै। जे लोकसब परेम नै करैछै उ मिरतुके बन्धनमे रहैछै।
सबसे मुख बात यि चियै कि तुसब एक दोसरके पुरा मनसे परेम कर, कथिलेकी परेमसे बहुतो पापसबके झाइपदैछै।
उ कहल्कै, “दया करैबला लोक!” येसु कहल्कै, “जो, तुहु ओहिनङे कर।”
हमर पिरिय सङिसब, परमेस्वर अपनासबके अतहेक परेम करने छै त अपनोसबके एक-दोसरके परेम करेपरतै।
खिरिस्ट येसुमे नै त खतनाके नै त बेखतना कोनो मोल छै। महज एकेटा बातके मोल छै, उ यि चियै, अपनासब बिस्बासके कारन एक-दोसरके परेम करैचियै।
हे हमर धियापुतासब, अपनासब खाली मुह आ बातसे मातरे परेम नै कर, महज अपनासब काम आ सत्यतासे परेम करैजो।
“तुसब सुन्ने चिही जे अनङ कहलगेल छेलै, ‘आपन परोसियाके परेम कर आ आपन दुस्मनके घिरना कर।’
पिरिय सङिसब, हम तोरासबके लबका आग्या नै, महज वह्या पुरन्के आग्या लिखैचियौ। जे सुरुवेसे चलल एल पुरन्का आग्या चियै। यि पुरन्का आग्या तोरासबके सुनलेहे बचन चियौ।