23 ओकर आग्या एह्या चियै कि हमसब परमेस्वरके बेटा येसु खिरिस्टके नाममे बिस्बास करनाइ आ ओकर देल आग्या अनुसार एक-दोसरके परेम करनाइ चियै।
आब हम तोरासबके एकटा लबका आग्या दैचियौ, तुसब एक-दोसरके परेम कर। जहिनङ परेम हम तोरासबके करनेचियौ तहिनङे तुहुसब एक-दोसरके परेम कर।
आब तुसब सतके माइनके आपन मन सुध कैरलेने चिही तहैलेल एक दोसर कोनो छलकपट नै कैरके भाइ-भैया आ दिदी-बहिन जखा परेम कर। हिरदयसे एक दोसरके परेम कर।
“हमर आग्या यह्या चियै कि जहिना हम तोरासबके परेम करनेचियौ तहिना तुहुसब एक-दोसरके परेम कर।
येसु ओइसबके जबाब देल्कै, “परमेस्वरके काम एह्या चियै, जे ओकरा पठाइने छै ओकर उपर बिस्बास कर।”
सबसे मुख बात यि चियै कि तुसब एक दोसरके पुरा मनसे परेम कर, कथिलेकी परेमसे बहुतो पापसबके झाइपदैछै।
तुसब यि बात सुरुवेसे सुन्ने चिही की हमसबके एक-दोसरके परेम करे परतै।
जे परमेस्वरके परेम करैछै, ओकरा आपन भाइयोके परेम करे परतै। एह्या आग्या खिरिस्ट अपनासबके देने छै।
एक दोसरके परेम करे परैछै तैके बारेमे तोरासबके लेल लिखैके कोनो जरुरी नै छै, कथिलेकी परमेस्वर आपनेसे तोरासबके एक दोसरके परेम करे परैछै कैहके सिखाइने छौ।
जनङ खिरिस्ट अपनासबके परेम करल्कौ, तहिनङ तुहुसब एक-दोसरके परेम कर। उ अपनसबके खातिर परमेस्वरके अगा आपनेके गमगम करैबला भेटी आ बलिदानके रुपमे अरपन करल्कै।
तखुन्ते बादल एलै आ ओइके छाहसे उसबके झाइपदेल्कै आ बादलसे एकटा एहेन अबाज एलै, “यि हमर दुलरुवा बेटा चियै, अकर बचन तुसब सुन!”
दोसर फेनो अहिनङे चियै, ‘तु आपन परोसियाके आपने जखा परेम कर।’
तब उसब कहल्कै, “परभु येसुमे बिस्बास कर तब तु आ अहिनङ कैरके तोहर घर-परिबार उदार पाबतौ।”
अनन्त जिबन एह्या चियै कि, उसब अहाँ एक मातरे सत परमेस्वरके आ अहाँके पठाएल येसु खिरिस्ट चियै से जाने।
येसु चेलासबके कहल्कै, “तोरासबके मन बेचैन नै हेबे। तुसब परमेस्वरमे बिस्बास करैचिही आ हमरोमे बिस्बास कर।
यि बात सत चियै आ सुइकार योग्य छै कि येसु खिरिस्ट पापीसबके बचाइके लेल अइ सन्सारमे एलै। ओइ पापीसबसे बेसी पापी हम चियै।
जेसब ओकरा सुइकार करल्कै आ ओकरमे बिस्बास करल्कै, तैसबके उ परमेस्वरके धियापुता हैके हक देल्कै।
जब येसु निस्तार पाबैनके बखत यरुसलेममे छेलै, तै बखत बहौत लोकसब ओकर अजगुतके कामसब देखके उसब ओकरमे बिस्बास करल्कै।
ओकर उपर बिस्बास करैबला कोइने दोसी ठहरतै, महज ओकर उपर बिस्बास नै करैबलासब पहिने दोसी ठहैरगेलछै। कथिलेत उसब परमेस्वरके एकलौता बेटाके बिस्बास नै करने छै।
पिरिय सङिसब, हम तोरासबके लबका आग्या नै, महज वह्या पुरन्के आग्या लिखैचियौ। जे सुरुवेसे चलल एल पुरन्का आग्या चियै। यि पुरन्का आग्या तोरासबके सुनलेहे बचन चियौ।
येसुवे परमेस्वरके बेटा चियै कैहके सुइकार करैबला लोकमे परमेस्वर बास करैछै आ उ लोक परमेस्वरमे बास करैछै।
तुसब परमेस्वरके बेटाके नाममे बिस्बास करैबलासबके हम यि चिठी लिखैचियौ, ताकी तुसब अनन्त जिबन पाबनेचिही कैहके थाह हेबे।