21 हे हमर पिरिय सङिसब, आपने मन अपनासबके दोसी नै ठहराइतौ त अपनासबके परमेस्वरके अगा जाइले साहस एतौ।
हमर धियापुतासब, खिरिस्टमे रह आ जहिया उ परगट हेतौ, तहिया तोरासबके साहस मिल्तौ तब ओकर आबैबला ओइ दिन ओकर अगा लाजमे नै परबिही।
अहैलेल अपनासब परमेस्वरके अनुगरहके सिंहासनके अगा निडर भ्याके चल आ खाचो परलहा समयमे सहायता पाबैके लेल किरपा आ अनुगरह पाबैले सकी।
अइ बातमे हमसब गर्भ करैचियै आ हमरासबके बिबेक सेहो साक्छी दैछै कि, अइ सन्सारमे बिसेस कैरके ओइसबसङे समबन्धमे हमसब इमान्दार आ परमेस्वरमे पबितर जिबन बितेलियै। यि हमसब सन्सारके ग्यानसे नै महज परमेस्वरके अनुगरहसे पाबनेचियै।
परमेस्वरके इक्छा बमौजी जे कुछ माङैचियै उ अपनासबके परथना सुनैछै कैहके अपनासबके पुरा बिस्बास छै।
अहिनङे अपनासबके परेम सिध हैतजेतै आ नियाइके दिनमे अपनासबके डराबे नै परतै, कथिलेकी खिरिस्ट जहैनछै, तहिनङे अपनोसब यि सन्सारमे चियै।
उ आपन लहुके छिटकासे अपनासबके हिरदयके सुध करने छै आ सुध पानीसे अपनासबके देहके धुवाइनेछै। ओहैसे अपनासब साँचो हिरदय आ पक्का भरोसाके साथ परमेस्वरके लग चल।
हमर आपने गल्ती हमरा थाह नै छै, महज यि हमरा निरदोस चियै कैहके साबित नै करैछै। हमर नियाय परभुवे करतै।
तैदुवारे हरेक ठाम जते आराधना हैछै, ओते पुरुखसब बिना रिस-खिस आ बाद-बिबाद आपन पबितर हाथ उठाके परथना करे कैहके हम चाहैचियै।
यि बातसबमे भेल तोहर बिस्बास परमेस्वर आ आपने बिचमे राख। उ लोक धैनके चियै, जे अपनासे ठिक ठहर्याल चिजके कारन आपनेके दोसी नै ठहराइछै।
येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैके कारन हमसब साहस आ भरोसाके साथ परमेस्वरके अगा आबैले पाबैचियै।
पिरिय सङिसब, हम तोरासबके लबका आग्या नै, महज वह्या पुरन्के आग्या लिखैचियौ। जे सुरुवेसे चलल एल पुरन्का आग्या चियै। यि पुरन्का आग्या तोरासबके सुनलेहे बचन चियौ।
पिरिय सङिसब, अखुन अपनासब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै। महज पाछे कथी हेबै से अखुन तलिक जानकारी नै देनेछै। खिरिस्ट एलाकेबाद अपनोसब ओकरे जखा हेबै कथिलेत उ जैहनङ छै, अपनासब तैहनङे देख्बै।
जब अपनासबके मन आपनेके दोस दैछै, हमसब जानैचियै परमेस्वर अपनासबसे महान छै आ उ सब बात जानैछै।