16 खिरिस्टके परेम हमसब जानैचियै कि उ अपनासबके खातिर आपन परान देल्कै। तैल्याके अपनोसबके आपन भाइके लेल आपन परान दैलेपरतै।
जनङ खिरिस्ट अपनासबके परेम करल्कौ, तहिनङ तुहुसब एक-दोसरके परेम कर। उ अपनसबके खातिर परमेस्वरके अगा आपनेके गमगम करैबला भेटी आ बलिदानके रुपमे अरपन करल्कै।
आब हम तोरासबके एकटा लबका आग्या दैचियौ, तुसब एक-दोसरके परेम कर। जहिनङ परेम हम तोरासबके करनेचियौ तहिनङे तुहुसब एक-दोसरके परेम कर।
कथिलेकी परमेस्वर सन्सारके लोकसबके एहेन परेम करल्कै कि उ आपन एकलौता बेटाके देल्कै। ओकर उपर बिस्बास करैबला नास नै हेतै, महज उ अनन्त जिबन पाबतै।
महज अपनासब पापी भेल बखत खिरिस्टके अपनासबके लेल बलिदान द्याके परमेस्वर अपनासबके लेल महान परेम देखेल्कै।
बिस्बास योग्य साक्छी आ मिरतुसे सबसे पहिन्का बेर जिबित भेल सन्सारके रजा सबके रजा, येसु खिरिस्टके तरफसे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले। उ अपनासबके परेम करैछै आ आपन लहुसे अपनासबके पापसे छुटकरा देनेछै।
कथिलेकी अपनासबके परमेस्वरमे आनैके लेल खिरिस्ट धरमी भ्याके सेहो अधरमीसबके पापके लेल एकबेर सबदिनके लेल मरलै। उ देहमे मरलै महज परमेस्वर ओकरा आत्माके सक्तीसे जिबित करल्कै।
तैहनङे मानबोके बेटा दोसरसे सेबा लैले नै, महज सेबा करैले आ बहौत लोकसबके पापसे छुटकारा दैके खातिर आपन परान दैले एलछै।”
तैल्याके तोरासबके आपनो आ आपन पुरे जेरके रेखदेख करैतरह। पबितर आत्मा तोरासबके ओइसबके चरबाहा बनाइनेछौ कि तोरासबके परमेस्वरके मन्डलीके रेखदेख कर, जकरा परमेस्वर आपन बेटाके लहुसे किन्नेछै।
हे घरबलासब, आपन घरबालीसबके परेम कर, जनङ खिरिस्ट मन्डलीके परेम करल्कै आ आपन जिबन अरपन करल्कै।
अकर सङे-सङे, अपनासब आसा करल बात पुरा हैबला दिनके रस्ता ताकैचियै, उ दिन अपनासबके महान परमेस्वर आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्ट आपन महिमामे परकट हेतै।
हमरा बचाबैले उसब आपन जिबन जोखिममे पारनेछेलै। ओइसबके हम मातरे नै महज सारा गैर-यहुदीयोके मन्डलीसब धन्यबाद दैछै।
परमेस्वरमे चियै कहैबला लोक येसुवे जखा चले परैछै।
जहिनङ पिता हमरा चिन्हैछै आ हम पिताके चिन्हैचियै, तहिनङ हम आपन भेंरासबके चिन्हैचियै आ भेंरासब हमरा चिन्हैछै। हम भेरासबके लेल आपन परानो दैचियै।
यदि तोरासबके बिस्बाससाथ करल सेबाके कामके खातिर हमरा लहु बहाबैले परतै तैयो हम खुसिसे बहेबौ आ तोरेसबसङे आनन्द मनाइबौ।
उसब अनङ कहैत एकटा लया गित गाबल्कै, “यि कागतके मुठा लैले आ अकर लाहटके तोरेके योग्य अहाँ मातरे चियै, अहाँ मारल गेलियै आ आपन लहुसे अहाँ परमेस्वरके लेल सब कुल, भसा, जाती आ देसके लोकसबके छुटकरा देलियै।
हमसब पापके लेल मैरके धारमिकताके लेल जियैले सकि कैहके खिरिस्ट अपनासबके पापसबके खातिर आपन देहमे पाप बोइकके कुरूसमे मरलै। ओकर चोटसबसे तुसब निक भेलचिही।
तुसब जानैचिही कि परमेस्वर तोरासबके पिता-पुरखासे चलैत एल बेरथके चालचलनसे दाम तिरके तोरासबके छुटकरा देल्कौ। उ दाम सोना या चानी जखा नास हैबला चिज नै चियै।
कथिलेकी उ खिरिस्टके काम करैके लेल मिरतुके मुहमे परल छेलै। तुसब हमर लेल पुरा करैले नै सकल सेबा उ पुरा करल्कै।
“असल चरबाह हम्ही चियै। असल चरबाह त आपन भेंरासबके लेल आपन परानो दैले पछा नै हटैछै।
हमसब तोरासबके बेसी परेम करलाके कारन परमेस्वरके सुसमाचार मातरे नै बल्की आपन परानो तक दैले तयार भेलियै। कथिलेकी तुसब हमरासबके लेल कतेक पिरिय भेल छेल्ही।
जे आपनके इजोतमे चियै कैहके कहैछै, महज आपन भाइके घिरना करैछै त, उ अखुन्तो अन्हारेमे छै।
अहिनङ हमसब मिरतुके मुहमे जियैचियै, जकर कारनसे तुसब अनन्त जिबन पाबनेचिही।