26 हम यि सब बात तोरासबके भरममे पारैबलासबके बारेमे लिख्नेचियौ।
कथिलेत बहुतो धोखा दैबलासब सन्सारके बहुतो ठामसबमे पुइगगेल छै, जेसब येसु खिरिस्ट देहधारी भेल छै कैहके नै सुइकारैछै। एहैन लोकसब धोखा दैबला आ खिरिस्ट बिरोधी चियै।
हे पिरिय धियापुतासब, कोइ नै तोरासबके बहकाबे। धारमिकतामे चलैबला लोक खिरिस्ट जखा धरमी हैछै।
कथिलेत झुठा खिरिस्ट आ झुठा अगमबक्तासब देखा परतौ। सम्भब त अचमके कामसब आ चेन्हासब देख्याके परमेस्वरके छानल लोकसबके बहकाके लजेतौ।
होसियार रह, कोइ नै तोरासबके दरसन सास्तर या लोकसबके छल कपटसे बातमे फसाबे। एहेन बातसब खिरिस्टसे नै महज लोकसबके परम्परा आ सन्सारके सिक्छासे एलछै।
पबितर आत्मा साफ-साफ कहैछै कि अन्तके दिनसबमे अहिनङो लोकसब हेतै जेसब बिस्बाससे पछा हटतै। उसब छल करैबला आत्माके आ भुतसबके देल सिक्छा मान्तै।
महज दुस्ट आ ढोङी लोकसब दोसरके धोखा दैछै आ उ आपनो धोखा खाइत बिगरैते जाइछै।
हमरासबके दरसन मिललछै कैहके झुठ नमरता देखाबैत, स्वरगदुतके पुजा करैबला आ आपनेके महान समझैबलासब छै। उसब एहेन छल-कपटमे फैसके तुसब पाबैबला इनाम नै गुमा। एहेन लोकसब बिना कारन देहके स्वभाबके ग्यानमे घमन्ड कैरके फुलल रहैछै।