3 कोइ कोइ हमर अधिकारके बारेमे सबाल करैछै। ओइसबके लेल हमर जबाफ एह्या चियै,
पहिन्का बेर जखुन हमरा कचहरीमे आपन सफाइ दैले परल छेलै तखुन हमर पक्छमे कोइ नै बाज्लै। सब गोरे हमरा छोइरदेल्कै। यि बातके दोस ओइसबके ककरो नै लागे।
डाह करैबलासब सुध मनसे नै महज हमरा जहलमे औरो दुख दैकेलेल स्वारथ बिचारसे खिरिस्टके परचार करैछै।
तोरासबके हम आपन हिरदयमे राखनेचियौ। तोरासबके बारेमे अनङ करनाइ हमरा ठिक लाग्लै कथिलेकी हम जहलमे रहैबेर आ बाहरमे रहैबेर सुसमाचार परचार आ अकरा जोगाइबला काममे परमेस्वरके देल अनुगरहमे तुसब हमरसङे सहभागी भेलचिही।
हम तोरासबसे दुर भेल बखत यि लिखैचियौ, ताकि तोरासबलग एबौ त परभुके देल अधिकारके करासाथ परयोग करैले नै परे। यि अधिकार तोरासबके बिगारके लेल नै महज सुधारैके लेल हमरा देनेछै।
तुसब बिस्बासमे चिही कि नै चिही से आपनेसे जाँइचके देख। यदि जाँचमे असफल नै हेब्ही त खिरिस्ट तोरासबमे छौ कैहके थाहे हेतौ।
ओइ बखत खिरिस्ट हमर दुवारा बोलैछै कि नै बोलैछै कैहके तुसब परमान भेटाइबिही। तोरासबसङे काम करैतखिना उ कमजोर नै महज सक्तिसाली छै।
कोइ अपनाके अगमबक्ता या आत्मिक लोक सम्झैछै त हमर लिखल बात परभुके आग्या चियै कैहके ओकरा सुइकार करे।
महज हम जबाफ देलियै, रोमीसबके एहेन चलन नै छै, कोनो भि लोकके दन्ड देबेसे पहिने जबतक दोस लगाइबलाके अगा खरा भ्याके आपन बचाउके लेल जबाफ दैके मौका नै मिलैछै।
“हौ भाइ-भैयारी आ बाबुसब, अहाँसबके अगा हम आपन तरफमे जे कहैले चाहैचियै से सुनु।”
“जब उसब तोरासबके पकैरके सभाघरसब, सासकसब आ अधिकारीसबके सामने लाबतौ, तब तुसब कनङ आ कथी जबाब देबही, या कथी कहे परतै से चिन्ता नै कर।
हम औरो लोकसबके लेल परेरित नै चियै तैयो कमसेकम तोरासबके लेल त चियौ। कथिलेत हम परभुके एक परेरित चियै कैहके तुहेसब हमर गबाही चिही।
कि हमरासबके खाइ-पियैके अधिकार नै छै?