12 अहिनङके तुसब कमजोर बिस्बासीसबके बिरोधमे पाप करैचिही आ उसबके मनमे चोट पुगाके खिरिस्टके बिरोधमे पाप करैचिही।
“अदी कोइ हमरमे बिस्बास करैबला छोटसे छोट बच्चाके पाप करैले लगाबैछै त, ओकर घेंचमे बरका जाँत बाइन्हके समुन्दरमे फेक देनाइ उचित हेतै।
तब परभु ओइसबके जबाफ देतै ‘साच्चेके हम तोरासबके कहैचियौ, जे कुछो हमर यि छोट भाइसबके लेल नै करलिही, से हमरो लेल नै करलिही।’
जहिनङे देह एकेटा छै आ ओइमे अङसब बहौत छै, महज अलग-अलग अङसब मिलके पुरे देह बनैछै। खिरिस्टके देह ओहिनङे छै।
तैपर रजा ओइसबके जबाफ देतै, ‘साँचे हम तोरासबके कहैचियौ कि, जे कुछो तुसब यि भाइसबमेसे सबसे छोटके लेल करलिही, उ हमरे करलिही।’
तब पतरुस येसु लग आइबके कहल्कै, “परभु, हमर भाइ हमर बिरोधमे पाप करैत रहतै त हम ओकरा क्या बेर छमा करबै? कि सात बेर?”
“होसियार रह, यि छोट बच्चासबमेसे ककरो तुसब निच नै समझ। कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, उसबके देखभाल करैबला स्वरगदुतसब स्वरगमे रहैबला हमर पिताके अगामे रहैछै।
जे कोइ हमरमे बिस्बास करैबलाके छोटसे छोट पाप करैले लगाबैछै, ओकरा घेंचमे जाँत बाइन्हके समुन्दरमे फेक देनाइ उचित हेतै।
जे छोटसे-छोट लोकसबके पाप करैले लगाइछै तकर घेंचमे जाँत बाइन्हके समुन्दरमे फेक देनाइ ओकरलेल असल हेतै।
खाइबला चिजके कारन परमेस्वरके कामके नास नै कर। सब चिज खाइले हैछै महज औरो लोकके बाधा हैबला हिसाबसे खेनाइ खराब चियै।