9 महज उसब आपन मनके बसमे राखैले नै सकैछै त उसब बियाह करे। कथिलेत मनके बसमे नै राखैले सक्लासे त बरु बियाह करनाइ असल चियै।
अहैलेल हम जबान मसोमातनीसबके फेनसे बियाह कैरके बेटा-बेटी जलमाबे आ घर गिरहस्ती चलाबे कैहके सल्लाह दैचियै। ओहेन करलासे डाह करैबलासबके निन्दा करैके मौका नै भेटतै।
बेबिचारमे फसैबला अबस्था अनेक भेलाके कारन सब पुरुख लोकके आपन-आपन घरबाली हेबे आ सब जनिके आपन-आपन घरबला हेबे।
महज जबान उमरके मसोमातनीसबके नाम मसोमात सुचिमे नै लिख, कथिलेकी जब ओइसबके सारिरीक इक्छाके कारनसे खिरिस्टसे दुर ल्याजेतै, तै दुवारे उसब बियाह करैले ताक्तै।
यदि तु बियाह करबो करबिही त उ पाप नै चियै। तहिनङे यदि कुमाइर छौरी बियाह करतै त उ पाप नै करैछै। तैयो बियाह करैबलासबके अइ सन्सारमे झनझट हैछै आ हम तोरासबके अइसे बचाइले चाहैचियौ।
जाबेतक घरबला जिबित रहैछै ताबेतक घरबाली आपन घरबलाके अधिनमे रहैछै। महज ओकर घरबलाके मिरतु भेलाके बाद उ स्वतन्तर हैछै आ उ जकरसे बियाह करैके मन लागैछै तकरसे बियाह करे सकैछै महज उ बिस्बासी हैकेचाही।
यदि कोनो लोकके मङनी भेल छौ आ उ लोक आपन मङनी भेल छौरीके निक बेबहार नै करल लागैछै आ उ छौरीके उमेर बितेलागलछै त उसब बियाह करे। अइमे कोनो पाप नै लागैछै।
तोरासबके थाहे छौ कि यि बात सत चियै, तैल्याके तुसब सान्त हो आ बेकारके कामसब नै कर।
पबितर आ आदरसाथ आपन घरबालीसङे जिबन बिताबे परैछै कैहके सबलोकके जाने परतै।