22 कथिलेत परभु बोलाबैसे पहिने जे दास छेलै, आब उ परभुमे स्वतन्तर लोक भेलछै। तहिनङे परभु बोलाइसे पहिने जे स्वतन्तर छेलै, उ खिरिस्टके दास भेलछै।
तुसब स्वतन्तर लोक जखा जिबन बिता। आपन स्वतन्तरताके खराब काम करैके लेल बहना नै बना, महज परमेस्वरके दास भ्याके असल काम कर।
आबसे उ दास जखा नै महज दाससे बैढके एकटा पिरिय बिस्बासी भाइ चियौ। हम ओकरा बहौत परेम करैचियै महज आब तु ओकरा एकटा लोकके रुपमे आ एकटा पिरिय बिस्बासी भाइके रुपमे औरो बेसिसे परेम कर।
भाइ-भैयासब, तुसब स्वतन्तर हैले बोल्याल गेलचिही। यि स्वतन्तरताके आपन पाप स्वभाबके इक्छा पुरा करैले परयोग नै कर। बरु परेमसे एक दोसरके भलाइ कर।
खिरिस्ट अपनासबके स्वतन्तर करने छै। तहैलेल बौकार भ्याके खरा हो आ फेनसे बेबस्थाके दास हैले नै परे।
हम यहुदा, येसु खिरिस्टके सेबक आ याकुबके भाइ, परमेस्वर पितासे बोल्याल आ येसु खिरिस्टसे रक्छा पाबलहासबके यि चिठी लिखैचियै।
हम सिमोन पतरुस, येसु खिरिस्टके दास आ परेरितके तरफसे अपनासबके परमेस्वर आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्टके धारमिकतासे अपनेसब जखा अनमोल बिस्बास पाबैबलासबके लेल यि चिठी लिखरहल चियै।
तोरासबके एकटा भाइ, खिरिस्ट येसुके दास इपाफरास सेहो गोरलगी पठाइनेछौ। उ तोरासबके खातिर हरदम जोरतोरसे परथनामे सम्झैत रहैछौ ताकी तुसब बलगर हो आ परमेस्वरके सब इक्छा पुरा रुपसे मानैले सक।
कि हम लोकसबके खुसी करैले चाहैचियै या परमेस्वरके? कि हम लोकसबके खुसी करैले चाहैचियै? यदि हम लोकसबके खुसी करने रहतियै त हम खिरिस्टके सेबक नै हेतियै।
हम लोकसबसे स्वतन्तर चियै तैयो बहुतो गोरेके खिरिस्टमे आनैले सकी कैहके सबके लेल हम आपनेके दास बनेलियै।
हम पावल, येसु खिरिस्टके दास, यि चिठी लिखैचियौ। परमेस्वर हमरा परेरित हैले बोलाइल्कै आ ओकर सुसमाचार परचार करैले अलग करने छै।
परमेस्वर तोरा बोलाइ बखत कि तु ककरो दास छेल्ही? यदि छेल्ही त तकर चिन्ता नै कर, महज स्वतन्तर हैले मौका भेटैछौ त, स्वतन्तर भ्याजो।
जब हम बेबस्था नै भेलसबके बिचमे छेलियै, खिरिस्टमे उसब बिस्बास करे कैहके हम बेबस्था नै भेलसब जखा भेलियै। अकर मतलब हम मोसाके देल बेबस्था नै मानैचियै कैहके नै कहैचियौ। हम त झन खिरिस्टके बेबस्थाके मानैचियै।