16 हे घरबाली, तोरा कि थाह! सायद तोहर कारनसे तोहर घरबला उदार पाबैले सक्तियौ कि? या हे घरबला, तोरा कि थाह! सायद तोहर कारनसे तोहर घरबाली उदार पाबैले सक्तियौ कि?
हम कमजोर लोकसबके बिचमे काम करैबखत उसब खिरिस्टमे बिस्बास करे कैहके हम्हु कमजोर भेलियै। हम सबके लेल सबकुछ बैन गेलियै ताकि हरतरहसे लोकसबके खिरिस्टमे बचाबैले सकी।
हमर करल यि सेबासे आपने यहुदी जातिके लोकसबके डाही बनाइले सकी आ ओइसबमेसे कोइ-कोइ पस्चाताप कैरके परमेस्वरमे बिस्बास करे कैहके हमर आसा छै।
तु आपन जिबन आ आपन देल सिक्छाके बारेमे होसियार रह। यि सब करलासे तु आपन जिबन आ तोहर सिक्छा सुनैबलासबके जिबन बचेब्ही।
हम तोरासबके कहैचियौ, अहिनङे पस्चाताव करैबला पापीके लेल स्वरगमे परमेस्वर स्वरगदुतसबके अगा खुसी मनाबैछै।”