12 महज आब हम औरो लोकसबके कहैचियौ। यि हमर आग्या चियौ, परभुके नै, यदि ककरो खिरिस्टमे बिस्बास नै करैबली घरबाली छौ आ ओकर घरबाली आपन घरबलासङे रहैले चाहैछै त, घरबला आपन घरबालीके नै त्यागे।
हम घमन्डसे जे बात बोइलरहलचियौ से बात हम परभुके अधिकारसे नै, महज मुरुख जखा बोइलरहलचियौ।
हरेक लोक बियाह करैले परतै कहैबला बात हम नै कहैचियौ महज चाहेबला हरेक गोरा बियाह करैले सक्तै कैहके कहैचियौ।
आब कुमारीसबके बारेमे हमरसङे परभुके आग्या किछो नै छौ। महज हम परभुके अनुगरहसे एक बिस्बासयोग्य लोक भेलाके कारन तोरासबके यि सल्लाह दैचियौ।
यदि उ आपन घरबलासे अलग हेतै त, उ फेरसे बियाह नै करे। यदि उ फेनसे सङे रहैले चाहतै त आपन घरबलासङे मिलाप करे। तहिनङे घरोबला आपन घरबालीके नै त्यागे।
तहिनङे ककरो खिरिस्टमे बिस्बास नै करैबला घरबला छौ आ ओकर घरबला आपन घरबालीसङे रहैले चाहैछै त, घरबाली आपन घरबलाके नै त्यागे।
यदि तोरा घरबाली छौ त, आपन घरबालीसे अलग हैले नै खोज। यदि तोरा घरबाली नै छौ त, बियाह करैले नै चाह।