10 आब हम बियाह करलहासबके करा आग्या दैत कहैचियौ, हमर आग्या नै, महज परभुके आग्या चियौ। घरबाली आपन घरबलासे अलग नै हेबे।
महज हम तोरासबके कहैचियौ, जे आपन घरबालीके बेबिचारके अलाबा छोरैछै, उ ओकरा बेबिचारिनी बनाइछै आ जे कोइ छोरल जनिसे बियाह करैछै, उ बेबिचार करैछै।
जे आपन घरबालीके छोइरके दोसरसे बियाह करैबला लोक बेबिचार करैछै आ घरबलासे छोरपतर करल जनिसबसे बियाह करैबला ओहो लोक बेबिचार करैछै।”
महज बिस्बास नै करैबला घरबला या घरबाली अलग हैले चाहैछै त, उसब अलग हेबे। ओइ बखत बिस्बास करैबला घरबला या घरबाली बियाह बन्धनसे स्वतन्तर हैछै। कथिलेत परमेस्वर तोरासबके सान्तीमे रहैले बोलाइनेछै।
महज आब हम औरो लोकसबके कहैचियौ। यि हमर आग्या चियौ, परभुके नै, यदि ककरो खिरिस्टमे बिस्बास नै करैबली घरबाली छौ आ ओकर घरबाली आपन घरबलासङे रहैले चाहैछै त, घरबला आपन घरबालीके नै त्यागे।
आब कुमारीसबके बारेमे हमरसङे परभुके आग्या किछो नै छौ। महज हम परभुके अनुगरहसे एक बिस्बासयोग्य लोक भेलाके कारन तोरासबके यि सल्लाह दैचियौ।
हरेक लोक बियाह करैले परतै कहैबला बात हम नै कहैचियौ महज चाहेबला हरेक गोरा बियाह करैले सक्तै कैहके कहैचियौ।
हमर बिचारमे यि छै कि, यदि उ फेरसे बियाह नै करतै त औरो बेसीसे खुस रहतै। यि सल्लाह हम परमेस्वरके आत्मासे दैचियौ।
तब कुछ फरिसीसब येसुके ओकरे बातमे फसाइले ताकैछेलै आ ओकरा पुछल्कै, “कोनो बियाह भेल लोक आपन घरबालीसे छोरपतर करनाइ उचित छै कि नै?”
यदि उ आपन घरबलासे अलग हेतै त, उ फेरसे बियाह नै करे। यदि उ फेनसे सङे रहैले चाहतै त आपन घरबलासङे मिलाप करे। तहिनङे घरोबला आपन घरबालीके नै त्यागे।