महज यि हकसबमेसे हम कोनो परयोग नै करनेचियै आ तोरासबके हमरा कुछ दैले परतौ कैहके हम नै लिखने चियौ। कथिलेत हमर गर्ब करैबला बातसे कोइ हमरा दुर कराबैछै त बरु हमरा मरनाइ असल चियै।
यि बात हम तोरासबके दोसी ठहराइके लेल नै कहैचियौ कथिलेकी हम पहिने कैहदेनेचियौ, हमरासबके हिरदयमे तोरासबके लेल अतहेक ठाम छै कि हमसब तोरासबसङे बाचैले या मरैयोले तयार चियौ।
अहैसे हम तोरासबलग तिमोथीके पठाबैचियै। उ परभुमे हमर पिरिय आ बिस्बासयोग्य बेटा चियै। हम सबठाम आ मन्डलीमे सिख्याल अनुसार खिरिस्ट येसुमे हमर जिबन केहन छेलै, से बात उ तोरासबके बतेतौ।
हे हमर दुलरुवा धियापुतासब, तुसब पाप नै करिहे कैहके यि बात तोरासबके खातिर लिखैचियौ। महज कोइ पाप करियोलेतै त अपनासबके दिसनसे पितासङे बिन्ती करैबला एक गोरा धरमी येसु खिरिस्ट छै।