23 तुसब खिरिस्टके चिही आ खिरिस्ट परमेस्वरके चियै।
यदि तुसब खिरिस्टके चिही त अबराहमोके सन्तान चिही आ परमेस्वरके परतिग्या बमोजिम हकबला सेहो चिही।
महज हरेक लोक आपन-आपन पालमे जीके उठतै। सबसे पहिने खिरिस्ट जीके उठतै, तकरबाद खिरिस्ट फेर एतै तखैन ओकरमे बिस्बास करैबला सबकोइ जीके उठतै।
महज तोरासबके यि बात थाह हेबे कि खिरिस्ट हरेक मानबके सिर चियै। तहिनङे घरबला आपन घरबालीके सिर चियै आ परमेस्वर खिरिस्टके सिर चियै।
जहिनङे अहाँ हमरा सन्सारमे पठेलियै, तहिनङे हम्हु ओइसबके सन्सारमे पठाइनेचियै।
तुसब त बाहरमे देखैबला बात मातरे देखैचिही। यदि कोइ उ खिरिस्टके चियै कैहके बिस्बास करैछै त, उ आपने आपके याद करे कि जहिना उ खिरिस्टमे छै तहिना हम्हुसब खिरिस्टके चियै।
चाहे अपनासब जिबै त परभुवेके लेल जिबै आ चाहे मरबै त परभुवेके लेल मरबै। तैल्याके अपनासब जिबै आ मरबै परभुवेके लेल चियै।
हम परथना करैचियै कि उ सबकोइ एक हेबे। हे पिता, जहिनङे अहाँ हमरमे आ हम अहाँमे चियै, तहिनङे ओहोसब अपनासबसङे एक हेबे, ताकि अहाँ हमरा पठाइनेचियै कैहके सन्सारके लोकसब बिस्बास करे।
महज उसब, जे खिरिस्ट येसुके चियै, उसब आपन पाप स्वभाबके इक्छा आ ललसा कुरूसमे काटी ठोइकके मारनेछै।
महज हमसब जानैचियै कि, अपनासबके एक मातरे परमेस्वर पिता छै, जकरसे सब चिजके सिरिस्टी भेलै आ हमसब ओकरे लेल जियैचियै। अपनासबके थाहछै कि, अपनासबके एक मातरे परभु, येसु खिरिस्ट छै। ओकरेसे सबकुछ सिरिस्टी भेलै आ जकरसे हमसब जियैचियै।
कथिलेत परभु बोलाबैसे पहिने जे दास छेलै, आब उ परभुमे स्वतन्तर लोक भेलछै। तहिनङे परभु बोलाइसे पहिने जे स्वतन्तर छेलै, उ खिरिस्टके दास भेलछै।
समयमे पुरा भेलाके बाद स्वरग आ पिरथिबीमे सिरिस्टी भेल्हा सब चिज खिरिस्टके अधिनमे आबे।
पतरुस यि बात बाजतेछेलै कि तखुन्ते एकटा चम्कौवा बादल एलै आ छाहसे ओइसबके झाइपदेल्कै। तकरबाद ओइ बादलसे एकटा एहेन अबाज एलै, “यि हमर दुलरुवा बेटा चियै, अकरसे हम बहौत खुसी चियै, अकर बात धियानसे सुन।”
जब सब चिज खिरिस्टके अधिनमे राखैछै तब बेटा स्वयम परमेस्वरके अधिनमे रहैछै। जे सबचिज आपन बेटाके अधिनमे राइखदेनेछै ताकी परमेस्वर सब चिज उपर अधिकार करे।